कैल्हि बुध दिन भाजपा जिला कार्यालय मे विधायक मिथिलेश तिवारी पत्रकार सभके ई जानकारी देलनि। विधायक मिथिलेश तिवारी कहलनि कि नमामि गंगे परियोजना केर तहत गंडक मे जलपोत केर परिचालन कायल जायत। ई जलपोत नेपाल केँ भैंसा लोटन सँ पटना केँ गायघाट धरी चलत। एहिमे व्यापारी सभ सामान केर ढुलाई सेहो क' सकता।
जलपोत भैंसा लोटन सँ बगहा, बेतिया, गोपालगंज, छपरा, वैशाली होयत गायघाट धरी चलत। भैंसा लोटन सँ पटना गाय घाट धरी करीब तीन सौ किलोमीटर केर दूरी लेल केंद्रीय परिवहन मंत्री नितिन गडकरी द्वारा एहि एक हजार करोड़ टाकाक योजना क' स्वीकृति द' देल गेल अछि।
जलपोत केर रुकबाक लेल बगहा, गोपालगंज के डुमरिया आओर बेतिया म' टर्मिनल बनाओल जायत। एहि योजना केर शिलान्यास करबाक लेल अगिला माह केंद्रीय परिवहन मंत्री नितिन गडकरी गोपालगंज औता। जिले के डुमरिया घाट पर टर्मिनल बनला सँ व्यवसायी नेपाल सँ सामान कीन एता उतारबाक बाद एनएच 28 केर माध्यम सँ दिल्ली धरी ल' जे सकैत छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।