गोपालगंज : सासामुसा चीनी मिल लेल 22 दिन सँ चैल रहल अछि अनशन, सरकार नहि ल' रहल अछि कोनो सुध

गोपालगंज। 31 जनवरी। सासामुसा चीनी मिल चालू करबाक लेल आन्दोलन तेज भ' गेल अछि । जाहिमे पहिला 22 दिन सँ किसान आओर  मजदूर डटल अछि। सभ आंदोलनकारी अप्पन मांग ल'के आमरण अनशन पर बैसल अछि। दू अनशनकारी केँ तबियत एकाएक खराब सेहो भ' गेल जिनका अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। 

सासामुसा चीनी मिलक मजदूर आओर हुनका सभक परिजन अनशन बैसल अछि। अनशनकारी सबीर अली केर मुताबिक मिलक बंद भेला सँ हुनका सभक आर्थिक स्थिति खराब भ' गेल अछि। हुनका सभक बच्चा सभ परेशान भ' रहल अछि। बच्चा सभक स्कूलक फीस तक भरब मुश्किल भ' गेल अछि। सबीर अली कहलनि कि ओ 35 बरख धरी नौकरी केलनि आब ओ उम्रक एहि पड़ाव मे कता जेता।

कुसियारक फसल खेत मे बर्बाद भ' रहल अछि। मीलक बंद भेला सँ करीब 5 लाख किसान आओर एक हजार मजदूर सभक सामने भोजन केँ संकट आएब गेल अछि। कैल्हि मंगल दिन रोशन साह केँ सदर अस्पताल मे भर्ती करेबाक लेल एम्बुलेंस सँ भेजल गेल। मौका पर सदर एसडीएम शैलेश कुमार दास आओर सिविल सर्जन मौजूद छला। मुदा अनशनकारी रौशन साह इलाज करेबा सँ मना क' देला।

मजदूर सभक परिजन सभक मुताबिक मिलक बंद भेला सँ हुनका सभक घरक बिजली पैन सब बंद भ' गेल अछि। पैसाक अभाव में उधार राशन सेहो भेटब बंद भ' गेल अछि। सीएम नीतीश कुमार सँ गुजारिश अछि की एहि मिल मामला ल'केँ पहल करैथ आओर जल्द सँ जल्द मिल चालु करेबाक प्रयास करैथ। 

गौरतलब अछि कि पछिला 20 दिसम्बर केँ एहि मिलक बायलर पाइप फटला सँ 9 मजदूरक मौत भ' गेल छल। मौतक बाद स्थानीय लोग सभ एहि मिल मे खूब तोड़फोड़ केलक आओर आगजनी केलक। जखनकि हादसाक बाद लापरवाही केर आरोप मे मिल मालिक आओर हुनकर दुनू बेटा केँ गिरफ्तार करी जेल भेज देल गेल छल। मुदा जेल सँ निकलबाक बाद मिल मालिक मिल बंद करी फरार अछि।