राज्य भरी मे लगातार सड़कक निर्माण कायल जे रहल अछि। मुदा आइयो सुपौल जिलाक कैको हिस्सा मे सड़क आओर पुल विभागीय उपेक्षा केर दंश झेल रहल अछि। ताजा मामला सुपौल जिलाक प्रतापगंज-करजाइन बाजार लिंक रोड के अछि। एता बरख 2008 मे विभाग द्वारा बनाओल गेल पुल क्षतिग्रस्त भ' गेल अछि, जाहिक एखन धरी जीर्णोद्धार नहि भेल अछि।
प्रतापगंज करजाइन बाजार लिंक रोड पर बनल एहि पुलक दुर्दसा केर अंदाजा एहिसँ लगाओल जे सकैत अछि कि पुलक सरिया तक बाहर निकलल अछि। लोग पुलक मध्य सँ अप्पन वाहन नहि ल' जायत छथि कात सँ निकालैत छथि। सभके डर बनल रहैत अछि पुलक सरिया कही हुनकर सर्वनाश नहि क' दिया। कौछ जोका अस्थिर - अस्थिर गाड़ी सभ एहि पुल परसँ गुजरती अछि।
एहि पुल पर कखन कोनो बड़का हादसा भ' जाय किनको पता नहि। एक तेँ पुलक सरिया बाहर निकलल अछि, दोसर पुल पर चढ़ैत - उतरैत सभके डर होयत अछि कही गाड़ी सड़क केर बदला खधाइर मे नहि चल जाय। कोनो तरहे लोग सभ अप्पन जान क' हाथ मे ल' एहि पल पर आबैत जायत छथि। राति तेँ दूरक गप दिन मे सेहो एहि पुल पर चलबा मे सदिखन दुर्घटना केर संभावना बनल रहैत अछि। मुदा प्रशासन एम्हर सँ नजैर फेरना अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।