शुरूआती जानकारी केर मुताबिक, जखन बॉयलर फाटल ओहि समय100 सँ बेसी कर्मचारी मिल मे काज करैत छल। एखनो कैको मजदूरक भीतर फंसबाक बात कहल जे रहल अछि। घटना केर सूचना भेटते कैको थाना केँ पुलिस घटनास्थल पर पहुंच गेल अछि, आओर राहत - बचाव काज मे जुटल अछि। घायल सभकेँ नजदीकी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।
गोपालगंज सरकारी अस्पताल केँ अधीक्षक शशिकांत मिश्रा केर मुताबिक, 90 प्रतिशत सँ बेसी जड़ल 9 गोटा क' अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि, जिनका सभक स्थिति गंभीर अछि। किछु क' पीएमसीएच लेल रेफर कायल जे रहल अछि।
पुलिस केर मुताबिक, जिला मुख्यालय सँ लगभग 15 किलोमीटर दूर सासामूसा चीनी मिल मे कैल्हि रातिक लगभग साढ़े ग्यारह बजे बॅायलर अत्यधिक गर्म भेलाक कारण सँ फाटि गेल। घटना काल कैको मजदूर मिल मे काज करैत छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मृतक सभक परिजन क' 4 लाख टाका मुआवजा राशि देबाक घोषणा केना अछि।