DMCH में ओपीडी केर ऐकाऐक निरीक्षण में डियू्टी पर सs गायब भेटल कतेको डॉक्टर।



दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिला मे स्थित डीएमसीएच जाहिके अधीक्षक डॉ. राज रंजन प्रसाद गुरुवार ओपीडी केँ कतेको विभागक ऐकाऐक जांच  केलैथ। जांच करबाक दौरान मनोचिकित्सा विभागक पोल खुइल गई। विभाग में ताला लटकल देख अधीक्षक आश्चर्य रैह गेलैथ।ऐहिके अलावा हड्डी रोग विभाग सs यूनिट इंचार्ज गायब छलैथ। ऐही जांचक दौरान आर कतेको  विभागक डाक्टर अप्पन कुर्शी पर सs गायब पाओल गेल।
अस्पतालक कतेको विभागक में घुमलाक बाद डॉ. प्रसाद दोपहर लगभग साढ़े बारह बजे ओपीडी पहुंचलैथ। चर्म रोग विभागक निरीक्षण करबाक दौरान डॉ. एस.के गुप्ता ओतैए नञि उपस्थित छलैथ। शिशु रोग विभागक निरीक्षणक दौरान डॉ. अमित कुमार व डॉ. विवेकानंद पॉल  सेहो मौजूद नञि छेलैथ। मनोचिकित्साक विभाग में ताला लटकल केँ लs कs अधीक्षक बहुत  गंभीर छलैथ।ओर सब विभागक  निरीक्षण में सब चिकित्सक उपस्थित छलैथ।
ओतैए दोसर तरफ  डॉ. प्रसाद मेडिसिन विभागक आइसीयू केँ सेहो  निरीक्षण केलैथ। ओहि जगह इलाजरत मरीजक हाल जानबाक लेल पहुचलैथ। एहिके बाद मेडिसिन विभागक अन्य वार्ड सब में सेहो पहुंचलैथ। मरीजक संख्या देख कs अधीक्षक भौचक रैह गेल। वार्ड सब में सब बेड भरल रहबाक कारण डॉक्टर फर्श पर सुता कs मरीजक इलाज करैत छलैथ। अधीक्षक वार्ड में परोसल जा रहल भोजनक गुणवत्ता केँ सेहो जांच केलैथ।
डॉ. प्रसाद बतेलैथ जे कि निरीक्षणक दौरान गायब पाओल गेल चिकित्सक सब सs जवाब मांगल जा रहल अछि।ओतैए मनोचिकित्साक विभाग में ताला लटकल रहबाक देख कs ओहु विभाग सs जवाब मांगल जा रहल अछि।कहलैथ की मरीजक संख्या दिन प्रति दिन बैढ़ रहल अछि।एही वजह सs वार्ड सब में मरीजक लेल बेड कम पैड़ जा रहल अछि।
#लापरवाही # DMCH #सब विभाग #दरभंगा #मैथिली समाचार