गरीब विद्यार्थी सभक लेल 7,000 करोड़ टाका दान करत भारती परिवार, 2021 धरी स्थापित होयत सत्य भारती यूनिवर्सिटी

नई दिल्ली। 23 नवम्बर। प्रमुख उद्योगपति सुनील मित्तल आय गुरु दिन कहलनि कि भारती परिवार अप्पन पूरा संपत्ति केँ 10 प्रतिशत हिस्सा परमार्थ काज मे लगायत। कुल मिला क' ई राशि लगभग 7,000 करोड़ टाका होयत। 

भारती एंटरप्राइजेज केर संस्थापक व चेयरमैन सुनील मित्तल कहलनि कि उक्त राशि मे भारती एयरटेल परिवार के 3 प्रतिशत हिस्सेदारी शामिल अछि। भारती परिवार समाजक गरीब तबका के वंचित युवा सभके नि:शुल्क शिक्षा देबाक लेल सत्य भारती यूनिवर्सिटी स्थापित करत। नवा पीढ़ी केर ई यूनिवर्सिटी विज्ञान आओर प्रौद्योगिकी पर केंद्रित होयत, जाहिमे आर्टिफिशल इंटेलिजेंस, इंटरनेट ऑफ थिंग्स आओर रोबोटिक्स शामिल अछि।  

प्रस्तावित यूनिवर्सिटी क' उत्तर भारत मे 2021 धरी स्थापित क' देल जायत। सुनील मित्तल कहलनि कि भारती परिवार जे राशि देबाक संकल्प लेना अछि ओहिमे बेसी राशि यूनिवर्सिटी प्रॉजेक्ट मे लगाओल जायत। यूनिवर्सिटी लेल जमीन केर फैसला एखन बांकी अछि आओर एहिमे  10,000 विद्यार्थी सभके निःशुल्क शिक्षा देबाक योजना अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ