सहरसा के चंद्रकांता आओर आरा के विकासक पूरा देश म' बाजल डंका, प्रधानमंत्री करथिन पुरस्कृत

सहरसा। 27 सितम्बर। स्वच्छता आओर साफ-सफाई पर आयोजित निबंध प्रतियोगिता के जूनियर आओर सीनियर दुनू ग्रुप म' बिहारक बच्चा पूरा देश भरी म' अव्वल आयल अछि। जूनियर ग्रुप म' आठवीं कक्षा के विकास प्रसाद आओर सीनियर ग्रुप म' नौवीं कक्षा के चंद्रकांता नैना क' ई सफलता हासिल भेल अछि। 

आगामी 2 अक्तूबर क' गांधी जयंती पर दिल्ली के विज्ञान भवन म' दुनू बच्चा क' प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पुरस्कृत करथिन। राष्ट्रीय स्तर पर आयोजित प्रतियोगिता के विषय छल ‘स्वच्छ संकल्प सँ स्वच्छ सिद्धि तक’। एहि प्रतियोगिता केर आयोजन पेयजल आओर स्वच्छता मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा कायल गेल छल। 

सीनियर वर्ग म' प्रथम आबै बाली नौवीं कक्षा के चंद्रकांता नैना सहरसा के बैजनाथपुर मनोहर उच्च विद्यालय के छात्रा छथि। ओतहि जूनियर वर्ग म' प्रथम आबै बला विकास कुमार भोजपुर जिलाक बिलौटी स्थिति इंदिरा आवास मध्य विद्यालय के छात्र छथि। 

बिहार के 10 छात्र-छात्रा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी संग करात संवाद

अपने क' बता दी देश भरिक नवोदय विद्यालय सभसँ चुनल गेल 20 बच्चा म' आधा बच्चा बिहार स' छथि। नौवीं, 11वीं आओर 12वीं कक्षाक ई छात्र-छात्रा सभ 2 अक्तूबर क' गांधी जयंती केर मौका पर दिल्ली म' होमै बला कार्यक्रम म' प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी संग स्वच्छता पर चर्चा करत। भोजपुर आओर भागलपुर के दू - दू छात्रा क' प्रधानमंत्री संग स्वच्छता संवाद म' भाग लेबाक अवसर भेटल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने