औरंगबाद मेँ सर्च ऑपरेशन केँ दौरान एनकाउंटर, सीआरपीएफ तीन नक्सलि केँ माइर् गिरेलक - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 18 जुलाई 2016

औरंगबाद मेँ सर्च ऑपरेशन केँ दौरान एनकाउंटर, सीआरपीएफ तीन नक्सलि केँ माइर् गिरेलक

औरंगबाद। 18 जुलाई। औरंगबाद मेँ सीआरपीएफ-नक्सली मुठभेड़ म' तीन नक्सलि केँ मारल जाय के सूचना अछि। एहि मुठभेड़ मेँ सुरक्षा बल केर चारि गोट जवान केँ सेहो गोली लागल अछि जाहि मेँ दुई केर हालत गंभीर अछि।

औरंगबाद जिला केँ मदनपुर थाना क्षेत्रक डुमरी गाम लग सोंदाहा केँ जंगल म' पुलिस आर नक्सलि सभक बीच मुठभेड़ भेल। एहि एनकाउंटर मेँ पुलिस केँ अलावा सीआरपीएफ के जवान सेहो शामिल छलाह।  कार्रवाई केर दौरान पुलिस आर सीआरपीएफ द्वारा तीन नक्सलि केँ माइर् गिराओल गेल, तीनों के शव को बरामद कर क' लेल गेल अछि।

जानकारी केँ मुताबिक सर्च अभियान के क्रम म' नक्सलि सँ पुलिस आर  सीआरपीएफ केर मुठभेड़ भेल।  मुठभेड़ मेँ सीआरपीएफ केँ कोबरा बटालियन आर जिला पुलिस बल सेहो शामिल छल।  नक्सली मुठभेड़ म' घायल भेल जवान सभ केँ इलाजक लेल राहत सामग्री के संग जंगल मेँ हेलीकॉप्टर भेजल गेल अछि। अपने केँ बता दी  औरंगाबाद केँ इलाका बिहार के नक्सल प्रभावित इलाका  मेँ शामिल अछि।