भारी बारिश सँ बिगड़ल राजधानी केँ सूरत, बाट पर देखार देलक झील सन नजारा - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 18 जुलाई 2016

भारी बारिश सँ बिगड़ल राजधानी केँ सूरत, बाट पर देखार देलक झील सन नजारा

पटना। 18 जुलाई। पिछला 36 घंटा सेँ पटना म' रुइक - रुइक केँ भ' रहल बारिश पटना नगर निगम केँ दावा सभक पोल खोइल देना अछि। राजधानी केँ पॉश इलाका  सँ ल'केँ आम इलाका तक बाट पर ठेंघुन भैर पैन जमा भ' गेल अछि।

बाटक बीच खधाैर भेलाक कारण कैको मोटर गाड़ी सवार खधाैर मेँ गिरैत छैथ, संगे जलजमाव केँ बीच लोग बाट पर चलबाक लेल बेवश छैथ।

पटना केँ गांधी मैदान होय या एग्जीवशन रोड या फेर ठाकुरबाड़ी रोड, लोहानीपुर सभ जगह जलजमाव के कारण आम जन जीवन प्रभावित भ' गेल अछि। पटना शहर केँ निचला इलाका मेँ बसल मोहल्ला केर स्थिति सबसे बत्तर अछि। एहि केँ अलावा स्टेशन केँ आसपास सेहो आबै जाय लेल   लोग केँ बहुत  परेशानि उठबे परी रहल छैन्ह।