बोलू ए बहिना बोल बम
मन सं बोलू बोल बम
तन सं बोलू बोल बम
सैद्खन बोलू बोल बम
बम बम महादेव बम बम बम २
बाबा रहैय भुत पिशाचक संग
बजैय डमरू आर मृदंग
पिबैय घोईर घोईर भंग
रहैय बाबा सैद्खन मतंग
नचैय भुत बैतालक संग
बम बम महादेव बम बम बम २
गलामें बाबा केर सर्पक हार
छोडैय नाग फुफकार
खोलू न बैद्नाथ अपन केबार
भक्त आएल अहांक द्वार
करू न दानी हमरो उधार
बम बम महादेव बम बम बम २
सभक नाथ बाबा पशुपतिनाथ
हमरा केने छि किये अनाथ
कल्पी कल्पी विनती करैछी जोड़ी हाथ
दर्शन दिय मोर दुखियाके हे जलेस्वरनाथ
शरणमें आएल छि अहिंके हे कप्लेस्वरनाथ
बम बम महादेव बम बम बम २
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

sundar
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।