की अछि हमार नाम@प्रभात राय भट्ट

की अछि हमार नाम@प्रभात राय भट्ट

जन्म लेलौं हम जतय सीता माए के अछि गाम,

म्या गै हमरा एतेक बतादे की अछि हमार नाम,

किया कहैय हमरा सीसी बोतल आर बिहारी धोती,

आफद भगेल ख्यामे हमरा अपने देशमें दू छाक रोटी,

अपने देश बुझाईय परदेश शासक बुझैय हमरा बिदेशी,

नए छौ तोहर कोनो नागरिक अधिकार तू भेले मधेसी,

भूख स मोन छटपट करैय भेटे नए किछु आहार,

दया धर्म इमान नए छै शासक के किया करैय तिरस्कार,

की यी हमर राष्ट्र नए अछि? या हम सुकुम्बासी थिक?

बौआ हमर नुनु ययौ कान खोइलक दुनु सुनु ययौ,

अहाँ थिक मधेशक धरतीपुत्र हम अहाँक मधेस माए,

निठुर शासक के हाथ बन्धकी परलछि देलौं सब्किछ गमाए,

तन मन धन सब लुट्लक आब करैय खून पसीना शोषण,

आशा केर दीप अहिं अछि हमर वीरपुत्र करू मधेस रोशन ,

मधेसमे जन्म लेली जे कियो फर्ज तेकरा निभाव परत ,

नेपाल स मधेस माए के मुक्त कराब परत ,

सुन्दर शांत स्वतंत्र एक मधेस एक परदेश बनाब परत,

मंगला स त भेटल नए आब छीन क लेब परत ,

लड़ पडत आजादी के लड़ाई देब परत बलिदान ,

तखने भेटत मान समानं आ बनत मधेस महान ,

रचनाकार:प्रभात राय भट्ट

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने