1
केना बनतैक दहेज मुक्त मिथिला
१ .  अहाँ दहेज मुक्त छी। छी वा नहि?
यदि संकल्प लेने छि जे 'माँगरूपी दहेज न लेब, न देब। धियापुताक विवाह मे सेहो माँगरूपी दहेज न लेब, न देब। माँगरूपी दहेज लेन-देन करनिहारक विवाह मे सहभागी सेहो नहि बनब' - तऽ अहाँ भेलहुँ दहेज मुक्त मिथिलाक योग्य सदस्य।

२.    आब अहाँ अपन परिचित परिजनमे सेहो एहने कम सऽ कम १० परिवार केर पहिचान करू आ हुनका सँ बात करू।

३. हुनकर पूर्ण विवरण दहेज मुक्त मिथिलाक निम्न फारम भरिकय स्मारिका मे डायरेक्ट्री प्रकाशन लेल पठाउ। २५-३० अप्रील अन्तिम तिथि, dmmithila@yahoo.com पर। विशेष किछु बुझबाक हो तँ बात करू: पंकज झा, मुंबई - ९३२०१४०५१६४/९८२१४०५१६४.

४. एहि तरहें पहिल वर्ष मात्र १५०० परिवारक विवरण दहेज मुक्त विवाह लेल अवसर बनबैत कुल १० हजार परिवार मे स्मारिका पहुँचायत।

५. पहिल वर्ष एहि १५०० दहेज मुक्त परिवार संग बिना दहेजक स्वच्छ सम्बन्ध बननाय शुरु होयत तऽ जरुर ऐगला वर्ष कुल १५००० परिवार एहि मे जुडि जेता आ कम सऽ कम १ लाख प्रति स्मारिका छपाबय के हिम्मत हमरा लोकनि करब।

 ( मिथिला में दहेज़ रूपी कुप्रथा के समाप्ति हेतु दहेज़ मुक्त मिथिला एकटा स्मारिका के विमोचन ७ जून २०१४ क करवाक योजना बनने ऐछ, कम स कम १५०० मैथिल परिवार के विवरण जे दहेज़ कय विरोधी छैथ इ स्मारिका में समेटवाक प्रयाश. जाइ वर-कन्याक जानकारी आपस में भेट सके. अपने अगर इ अभियान में शामिल होबै चाहैत छी त स्वेंग व् अपन अरोश परोष के मैथिल में विवरण निम्नलिखित फॉर्म के भैर द सकैत छी. प्रत्येक फ्रॉम के संग १५१ टाका उपरोक्त बैंक :- panjab national bank, kalbadevi branch a/c no. 0063000100244217 ,  IFSC code. PUNB0006300 में जमा कय. फॉर्म dmmithila@yahoo.com पर पठा दी आ सूचित करी ९८२१४०५१६४ पर. 



क्रमश: दहेज मुक्त मिथिला केर निर्माण होयत। शुभकामना आ सहयोग लेल अपील!

मिथिला दैनिक क' समाचार ईमेल द्वारा प्राप्त करि :

Delivered by Mithila Dainik

  1. बेटा बेचब धऽन लेल, एहन न होय रीत
    सिया धियाक धरती पर, धिया भेल छथि तीत
    --- राम कुमार मिश्र
    गाम: रमौली, बहेड़ा, दरिभंगा

    उत्तर देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

 
#zbwid-2f8a1035