दरभंगा : पछिला तीन बरखसँ लगातार मिथिलाके छात्र एवं क्षेत्रकेँ विकासक लेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन गैर राजनीतिक छात्र संगठन नव-निर्माण हेतु दृढ़ संकल्पित अछि। संगठन मिथिलाक अनेको समाजहित मुद्दा लेल केेन्द्र आ बिहार सरकार पर दबाव बनाबैत आबि रहल अछि। मिथिलाकेँ धरोहर, संस्कृति, बौद्धिक संरक्षण एवं औद्योगिक विकास हेतु आधुनिक कल-कारखाना केर निर्माण लेल केंद्र संगहि राज्य सरकारकेँ खिलाफ सदिखन आवाज बुलंद करैत आबि रहल अछि।
एमएसयू राष्ट्रीय प्रवक्ता विद्याभूषण राय प्रेस विज्ञप्ति द्वारा जानकारी करउलनि अछि जे आय 3 मई, बृहस्पतिदिन दरभंगा स्थित बहुउद्देश्यीय भवनमे मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर तेसर स्थापना दिवसक शुभ अवसर पर 'नव मिथिला-संकल्पित मिथिला' केर वर्तमान परिदृश्यमे युवाक भूमिका संगहि कार्यकर्ता सम्मान समारोह केँ आयोजन होमए जा रहल अछि। ग्रामीण इलाका केर सुदूर क्षेत्रसँ सैकड़ों केर संख्यामे युवा सेनानी बहुउद्देश्यीय भवन पहुँचि मिथिलाक वर्तमान विकासशील मुद्दाक वास्ते केंद्र आओर राज्य सरकारकेँ खिलाफ जमिकय हल्ला-बोल करताह।
मिसू प्रवक्ता आजुक कार्यक्रमक वास्ते लोकतंत्रके चारिम स्तम्भ अर्थात पत्रकार लोकनिसँ विशेष सहयोग करबाक सेहो अपील कएलनि अछि संगहि प्रेस विज्ञप्ति द्वारा समस्त मिथिलावासी केर आजुक कार्यक्रममे उपस्थिति देबाक संगहि लड़ि रहल सेनानी केर आशिर्वाद आओर मार्गदर्शन वास्ते आमंत्रित कएलनि अछि।
आजुक कार्यक्रममे मिथिलाक प्रतिष्ठित कलाकार लोकनि सेहो आमंत्रित छथि। कलाकारक हुजुममे माधव राय, राधे भाई, जुली झा, पवन नारायण, अंजना ईशर, निशा झा, दयाशंकर झा आओर रानी झा आमंत्रित छथि।