बभनगमाबाली भौजीक जीवनक महत्वपूर्ण
घटना सभक एकटा संक्षिप्त विवरणिका
घटना सभक एकटा संक्षिप्त विवरणिका
- कृष्णमोहन झा
आ से एहेन अहिबाती के हेती
जे बभनगमाबाली भौजीक सोहाग-भाग देखि जरि नइँ जेती
ओना मानलहुँ
जे हुनका पोथी-पतराक दर्शन नइँ भेलनि
मानलहुँ जे पाबनि-तिहारे हुनका तेल-कूड़ भेटलनि
मनलहुँ जे चाभीक गुच्छा
ओ कहियो अपन आँचर में नहि बान्हि सकलीह
ईहो मानलहुँ जे लाख कबुलाक बादो
आजीवन ओ दोसर पुत्र-रत्न प्राप्त नहि क’ सकलीह
मुदा निस्सन्देह
एकटा भरल-पूरल जीवन केँ छाँटैत-फटकैत
अपन 37 बरखक बयस में ओ
38289 टा सोहारी पकेलीह
2173 डेकची भात पसेलीह
13000 बेर बर्त्तन-बासन माँजलीह
307 बेर आँगन निपलीह
47 टा साड़ी आ 92 टा ब्लाउज पहिरलीह
275 राति भूखल सुतलीह
हुनका 3 बेर भेटलनि सम्भोगक सुख आ 949 बेर भेलनि बलत्कार
बेटी जनमौलनि 4 टा
आ 5 बेर भेलनि गर्भपात
मुदा ई देखू सबसँ मार्मिक बात
जे ठीक बरसातिक प्रात
जखन हुनक सीथ रहनि सिनूर सँ कहकह करैत
आ भरल रहनि लहठी सँ हाथ
तखन अपन स्वामीक आगू ओ
बिना अन्न-जल ग्रहण कयने भ’ गेली विदा
मुदा ई देखू सबसँ मार्मिक बात
जे ठीक बरसातिक प्रात
जखन हुनक सीथ रहनि सिनूर सँ कहकह करैत
आ भरल रहनि लहठी सँ हाथ
तखन अपन स्वामीक आगू ओ
बिना अन्न-जल ग्रहण कयने भ’ गेली विदा
बभनगामा बाली भौजी सभ घर आँगनमे भेटतीह। आर आगू बढ़ू तँ सभ आँगन मे चारि भैयारीमे एकटा मसोमात सेहो भेटतीह। तीन घर चारेक मुदा भरल पूरल, मुदा एकटा एकचरिया ओही आँगनमे ओहि मसोमातक रहिते छन्हि। झगड़ा भेलापर साँय केँ खा जएबाक आरोपो ओही एकचारी बाली मसोमातपर पड़ैत छन्हि।
जवाब देंहटाएंबड्ड नीक कविता लागल। कोनो पाँती एहन नहि लागल जकर उपयोग कवि द्वारा जबरदस्ती भेल होए।
maithili kavita ke ahan dvara dekhaol disha aar aaga jayat se aasha achhi, ham te aab 55 cross kaylahu, aai dhari maithili me 2-4 gote chhori shesh dvara uchhisht parsal jait dekhne rahi, aai ahank ek pher dosar kavita padhi mon gadgad bhay gel.
जवाब देंहटाएंbah, prahar kaylahu apan sanskritik durbal paksha par,
जवाब देंहटाएंहुनका 3 बेर भेटलनि सम्भोगक सुख आ 949 बेर भेलनि बलत्कार
बेटी जनमौलनि 4 टा
आ 5 बेर भेलनि गर्भपात
aa ant me eho khoob
मुदा ई देखू सबसँ मार्मिक बात
जे ठीक बरसातिक प्रात
जखन हुनक सीथ रहनि सिनूर सँ कहकह करैत
आ भरल रहनि लहठी सँ हाथ
तखन अपन स्वामीक आगू ओ
बिना अन्न-जल ग्रहण कयने भ’ गेली विदा
kichhu hoy ehibati rahlih babhangama wali bhauji!!!!!
exclamation ke kateko chinh lagayab kam rahat.
ओना मानलहुँ
जवाब देंहटाएंजे हुनका पोथी-पतराक दर्शन नइँ भेलनि
मानलहुँ जे पाबनि-तिहारे हुनका तेल-कूड़ भेटलनि
मनलहुँ जे चाभीक गुच्छा
ओ कहियो अपन आँचर में नहि बान्हि सकलीह
ईहो मानलहुँ जे लाख कबुलाक बादो
आजीवन ओ दोसर पुत्र-रत्न प्राप्त नहि क’ सकलीह
bad nik
bah bhai, sabh ta spasht kahi delahu
जवाब देंहटाएंdhanyavad,
जवाब देंहटाएंpharichha-pharichha ke likhba lel,
muda aabo bhettah ehan,
je nahi bujhi paytah gapak maram
bad nik bhai ji,
जवाब देंहटाएंnik lagal, kona kahi nahi phurai ye
bhai gadgad kay delahu
जवाब देंहटाएंbad nik bhai ji
जवाब देंहटाएंbah ker atirikt aar kicchu nahi niklai ye
जवाब देंहटाएंkrishnamohan bhai, juaari aani delahu
जवाब देंहटाएंहाय रे मिथिला.
जवाब देंहटाएंकृष्णमोहन जी। जाहि लय मे आ जाहि विश्वासक संग अहाँ ई समस्या कहि गेलहुँ गाबि गेलहुँ ओ अहाँक भीतरक अदम्य प्रतिभाक द्योतक अछि।
जवाब देंहटाएंअहाँक आर रचना जल्दी-जल्दी आएत ताहि आशाक संग।
babhangama bali bhaujik varnan hamra apan gharak varnan lagal, ham katek chorait rahi ee bajay me, muda ahan katek sahajta se baaji delahu
जवाब देंहटाएंaab etbe je dobara tebara post karu rachna sabh,
जवाब देंहटाएंjaldi-jaldi aa beshi
dhanyad krishnamohan ji, rachnak sang etukka tippani sabh seho padhlahu, kichhu bajay lel baki nahi rahal
जवाब देंहटाएंbhai krishnakant,
जवाब देंहटाएंkshuda badha delahu, aar rachna padhbak mon achhi, dui din par nahi te saptah me ek ber jaroore
nik nik nik
जवाब देंहटाएंjinka par beetal chhanhi hunka te nor khasi jetanhi
जवाब देंहटाएंetek nik rachna etek din par,
जवाब देंहटाएंdhanya chhi,
bah mithila
जवाब देंहटाएंkarahi rahal acchi mithila,
जवाब देंहटाएंdahar,
sukhar,
bagal chhori ghar dvar,
je achhi takare kon hal
bah bhaiya , bahut kichh kahi delahu
जवाब देंहटाएंअहाँ आ अहाँक रचनासँ ई ब्लॉग सुन्दर भ' गेल।
जवाब देंहटाएंअपने सभक आभारी छी।रचना पढ़ल जाय तखनहि ओ सार्थकता ग्रहण करैत अछि। हमर कविता के सार्थक क'र' लेल बहुत-बहुत धन्यवाद!
जवाब देंहटाएंकिछु टिप्पणी पढि हम असहाय ओ अवाक् भ' गेलहुँ।दुःख अछि जे एहि कविता सँ आगू बढि क'
हम आर किछु नहि क' सकै छी।
हम भाइ गजेन्द्र जीक आभारी छि जे ओ हमरा
'मैथिल आर मिथिला'सँ जोड़लनि।
-krishnaamjha@gmail.com
blog par etek ras aa etek tarahak rachna padhi mon aanandit bhay gel,
जवाब देंहटाएंbabhangama bala bhauji te apratibh kay delak, aaiyo petposa mal, aa gharghussa barad par maithili me kavita likhal ja rahal achhi, tahi sthiti me ee parivartan adbhut,
manish gautam
ahank rachna me kichhu bat rahait chhaik, ne kono dambh, ne kono panditya pradarshan, matra kavita,
जवाब देंहटाएंlok se jural, je manasi ke dikkat dait chhaik bina sochne chalait rahba par.badhya karait chhaik o sabh sochba par je bad me dekhbai kahi lok tarait rahal achhi.
गजेन्द्र जी,
जवाब देंहटाएंएहेन सुन्दर टिप्पणी देबाक लेल धन्यवाद!
प्रयास त यैह रहैत अछि जे कविता मे किछु आर नहि,कविते रहय।मुदा सुच्चा कविता लिखब बड्ड मोस्किल।देखियै ई कतेक दिन चलैत अछि।
१.रचनामे कोनो तथ्यगत कमी नहि।
जवाब देंहटाएं२.रचनामे कोनो परिमार्जनक आवश्यकता नहि।
३.में केर बदला मे हेबाक चाही, दू ठाम ई त्रुटि अछि।
४.रचनामे कोनो आर त्रुटि नहि।
५. रचनापर आर कोनो सुझाव नहि।
६.रचनाक उज्जवल पक्ष अछि समाजक अन्ध प्रशंसाक बदला ओकर बुराईकेँ सोझाँ आनब। पति-पत्नीक बलात्कार कए सकैत अछि ई आब जा कए कानून मानलक अछि मुदा कवि मोन आह।
७. ई रचना नवीन आ आबएवला पीढ़ीक सोचक अनुरूप अछि। ओ कतेक रास सोहारी पकेलन्हि आ कतेक रास भुखल सुतलीह, आह कवि मोन। बलात्कारक परिभाषा तँ कविक अनुरूप कानून बना लेलक, मुदा जनगणना आँकड़ा एखनो कहाँ मानैत अछि आँगन निपनाइ आ डेकचीसँ मार पसेनाइकेँ आर्थिक कार्य!!
babhangama bala bhauji ekta charitra nahi varan mithilak ekta katu satya achhi jakra sojha aani ahan nirbhiktak parichay del
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।