बिहार बोर्ड इंटर व मैट्रिकक परीक्षा 2019 केर लेल फॉर्म भरबाक तारीख भेल जारी।



पटना: बिहार बोर्ड इंटर व मैट्रिकक बोर्ड परीक्षा 2019 केँ लेल फॉर्म भरबाक तारीख जारी क देल गेल आई ।बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केँ अनुसार, मैट्रिकक परीक्षाक फ्रॉम 19 सितंबर सs 25 सितंबर तक भरल जेत। ओतैए इंटरक 2019 केर परीक्षाक फॉर्म 25 सितंबर सs 1 अक्टूबर तक भरल जा सकैत अछि।

बिहार बोर्ड अपन सब छात्र सs आग्रह के लैथया जे कि छात्र निर्धारित कैल गेल तारीख में अपन बोर्ड परीक्षाक फॉर्म भैर लैथ।
ऐही बेर दु बेर जारी कैल जैत एडमिट कार्ड।बोर्डक कहब अछि कि ऐहेन करैए स छात्र सबहक नाम आदि में सुधार करबा  में विशेष सहूलियत भेटत। पहिले डमी एडमिट कार्ड जेहि में कोनो त्रुटि  हैत तँ छात्र ओहिके सुधार करबाक लेल वापस भेज सकैत छैथ,आओर ओहिके बाद संशोधित एडमिट कार्ड प्राप्त कs सकैत अछि।
#फॉर्म भरवाक तिथि # मैट्रिक आर इंटर #मैथिली समाचार