अठारह बरखक बाद बिहारकेँ रणजी ट्रॉफीमे खेलबाक रास्ता भेल साफ

नई दिल्ली : बिहारकेँ टीम 18 बरखक बाद रणजी ट्रॉफीमे खेलत। बीसीसीआई मंगलदिन ड्राफ्ट संविधान सुप्रीम कोर्टके सुपुर्द कएलक अछि। सुप्रीम कोर्ट कहलनि अछि जे एहिसाल सितंबर माससँ सभ टूर्नामेंटमे बिहारक टीम खेलत। तकरा बाद बिहारकेँ टीमक रणजी आओर आन दोसरो घरेलू क्रिकेट मैचमे खेलबाक रास्ता साफ भए गेल अछि।

सुप्रीम कोर्ट सभ राज्य क्रिकेट एसोसिएशन केर कहलनि अछि जे जौं किनको ड्राफ्ट संविधान पर अपन विचार देबाक अछि तs अगिला 3 दिनक भीतर एमिक्स गोपाल सुब्रमण्यम केर समक्ष दs दी।

एहिठाम बता दी जे आय होमए बला महाराष्ट्र क्रिकेट एसोसिएशन केर चुनाव आब 11 मई धरि नहि होयत। कोर्ट कहलनि अछि जे जौं महाराष्ट्र क्रिकेट एसोसिएशन संविधान आदेशक मोताबिक नहि बनाओत तs एकर कउनो मोजर नहि रहत आ ओकरा अरबसागरमे बहा देल जायत। सुप्रीम कोर्ट आब अहिमादे अगिला सुनवाई 11 मई केर करत।

सुप्रीम कोर्ट एक स्टेट-एक भोंटक फैसला पर फेरोसँ विचार करबाक लेल राजी अछि। कोर्ट कहलनि अछि जे, जे राज्य क्रिकेटसँ जुड़ल अछि वा क्रिकेट केर इतिहासमे अपन भूमिका ऐतिहासिक रूपे निभउलक अछि ओहि राजयकेँ आब असगर छोड़ल नहि जा सकैछ। सुप्रीम कोर्ट क्रिकेट एसोसिएशन ऑफ बिहारकेँ याचिका पर सुनवाई कए रहल छल जाहिमे बीसीसीआई पदाधिकारी सभ पर अदालत केर अवमाननाकेँ मामला चलेबाक माँग कएल गेल छल। याचिकामे कहल गेल छैक जे चारि जनवरी केँ सुप्रीम कोर्ट आदेश देने छल जे बिहारके सेहो रणजी आओर आन दोसरो घरेलू क्रिकेट प्रतियोगितामे भाग लेबाक सहमति देल जाय मुदा बीसीसीआई ओहि आदेशकेँ पालन नहि करैत विजय हजारे ट्रॉफी आओर आईपीएल सन प्रतियोगितामे बिहारक खेलाड़ी सभकेर शामिल नहि कएलक।