बिरौल, दरभंगा : बिरौलसँ भिनसर 6 बजे दरभंगा धरि जाय बला सवारी ट्रेनक चपेटमे एलासँ बलाटमे मानव रहित फाटक पर तैनात होमगार्ड केर जवानकेँ अपन दुनू टांगसँ हाथ धोभए पड़लनि। खूनसँ लथपथ आओर दर्दसँ बेचैन जवानकेँ आवाज सुनि आसपासक लोक दौड़लाह आ तकरा बाद अहि बातक सूचना रेलवे कर्मी अमर पासवान केर देल गेलनि। एम्हर आनन-फाननमे घटनास्थल पर पहुँचल कर्मी सभ ग्रामीणक सहयोगसँ जख्मी गार्ड केर टेम्पो पर लादिकय ईलाजक वास्ते सीएचसी में भर्ती करौलनि। ओहिठाम डागडर लोकनि प्राथमिक उपचार कए हालत गंभीर देखि डीएमसीएच रेफर कए देलकइन्ह।
पचपन बरखक जवान रामाशीष यादव केवटी थाना क्षेत्रक मिल्की गाम केर रहनिहार बताओल जा रहल छथि। छः दिन पूर्वहिं 27 अप्रैल केर रेलवे बिरौल-सकरी रेलखण्डक बलाट स्थित मानव रहित फाटक संख्यां 23ए पर रामाशीष केर नियुक्त कएने छलनि। घटनास्थलसँ सटल गाम बलाटमे भिनसर एकटा दोकानमे चाह पीबि शौच करबाक लेल रेलवे ट्रैक पार कए गाछी दिस रामाशीष जा रहल छलाह। अहि बीचमे बिरौलसँ दरभंगा जा रहल ट्रेनक चपेटमे एलासँ हुनकर दुनू टांग कटि गेलनि। भेंटल जानकारीक मोताबिक डीएमसीएचमे भर्ती गार्ड केर हालत बिगड़ैत देखिकय डागडर टीम पीएमसीएच रेफर कए देलकइन्ह अछि।

बिहार रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघ केर प्रदेश सचिव पीड़ित जवानकेँ दुनू टांग कटि गेला पर दुःख प्रकट कएलनि अछि। जिला समादेष्टा गौतम कुमार आ प्रदेश सचिव श्री यादव डीएमसीएच पहुँचि घायल जवान केर हाल-खबैर लेलनि संगहि तीन हजार टकाक प्राथमिक आर्थिक सहयोग सेहो केलनि।