बिहार विश्वविद्यालय में छात्र संघ चुनाव नै होबा सs नाराज छात्र कएला प्रदर्शन



मुजफ्फरपुर : बिहार विश्वविद्यालय में छात्र संघ चुनाव में भ रहल देरी के खिलाफ एबीवीपी के कार्यकर्ता सभ विलाक्षण प्रदर्शन केएला। कार्यकर्ता सभ महिस आर बीन के संग प्रदर्शन केएला। परिषद के कार्यकर्ता नारेबाजी करैत विश्वविद्यालय परिसर में दाखिल भेला तs हुनका संग में एकटा महिस सेहो देखल गेल। 

बाद में मुख्यालय के सामने कार्यकर्ता महिस के आगा बीन बजाक' चुनाव में भ रहल देरी पर कटाक्ष केएला। एबीवीपी के कार्यकर्ता आरोप लागेला कि छात्र नेता के दखल सs बच के लेल आओर अपन मनमानी करे के लेल विश्वविद्यालय अधिकारी चुनाव के टाली रहल छैथ। 

आहा सभ के बता दी कि पटना , मिथिला समेत बिहार के कतेको  यूनिवर्सिटी में चुनावक' प्रचार जोरों पर अछि, लेकिन बिहार विश्वविद्यालय में चुनाव नै होबाक कारण छात्र नाराज छैथ आओर अविलम्ब छात्र संघ चुनाव करबै के मांग क रहल छैथ।