चारा घोटाला केस में पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र के हाईकोर्ट सs भेटल जमानत



पटना : चारा घोटाले में बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र के झारखंड हाईकोर्ट सs राहत भेटलैन। हाईकोर्ट हुनकर जमानत याचिका पर सुनवाई करैत मिश्र के चाइर सप्ताहक' बेल मंजूर कएलक। 

जगन्नाथ मिश्र के बेल मेडिकल ग्राउंड पर देल गेल। याचिका में कहल गेल कि चूंकि पूर्व मुख्यमंत्री कैंसर के बीमारी सs पीड़ित छैथ आओर ऐहिक इलाज रांची में संभव नै अछि। ताहि इलाज हेतु गुड़गांव जएबाक लेल जमानत भेटल। याचिका में बतायल गेल कि हुंकार  इलाज गुड़गांव के मेदांता अस्पताल सs चली रहल अछि।

एही सिलसिला में जगन्नाथ मिश्र के तरफ सs रिम्स के रिपोर्ट हाईकोर्ट में पेश कैएल गेल। जाहि रिपोर्ट में दर्ज छल कि पूर्व मुख्यमंत्री कैंसर सs पीड़ित छैथ आ रांची में हिनकर इलाज संभव नै अछि। 

चारा घोटाले के चाईबासा कोषागार मामला में जगन्नाथ मिश्र के सीबीआई कोर्ट पांच साल के सजा सुनेने अछि।