दरभंगा : "आपका सेवक आपके घर" कार्यक्रम के लेल पप्पू यादव दरभंगा आयल छलाह। दरभंगा मेडिकल कॉलेज में अपन चोपाल लगा क मरीज सभहक हाल - चाल पुछला, एही दौरान आर्थिक रूप स' लचरल मरीज के आर्थिक सहयोग सेहो केएला।
अस्पताल आओर ओहि में इलाज करा रहल मरीज के दुर्दशा देखक' सांसद यादव अपन भाषा पर संयम नै राखी पैएला, मिडिया के सम्बोधित करैत कहला कि दरभंगा मेडिकल कॉलेज के डाइनामाइट लगा क' उड़ा देबाक चाही, ई अस्पताल नै मौत के सौदागर अछि। जनाधिकार पार्टी के मुखिया एतेह नै रुकला ओ डॉक्टर के रावणक संज्ञा देला तs नर्स के शूर्पणखा तक कही देला। श्री यादव माँगा करैत कहला जे सरकारी अस्पताल के डॉक्टर अपन निजी क्लिनिक नै चलबैथ।
सांसद कहला कि बिहार में बदलाव के जरुरत अछि संगैः चेतावनी देला अगर व्यवस्था नै सुधरल तखन दरभंगा के धरती स महाभारत एहन युद्ध शुरू केएल जैत।