ट्रक आओर कारक टक्कर मे बाल-बाल बचला मुज़फ्फपरपुर कोर्ट केँ जज नयन कुमार

मुज़फ्फपरपुर। 07 फरवरी। सड़क पर तेज रफ्तारक कहर लगातार जारी अछि। एहि तेज रफ्तारक शिकार मुज़फ्फपरपुर कोर्ट केँ जज नयन कुमार सेहो भ' गेला। जता एक ट्रक हुनकर गाड़ी मे टक्कर मारी देलक। एहि मे ओ बाल-बाल बचला। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक मुज़फ्फपरपुर सँ पटना जएबाक दौरान तुर्की ओपी लग एनएच-77 पर एक तेज गति सँ आएब रहल अज्ञात ट्रक जज नयन कुमार केँ गाड़ी मेँ टक्कर मारी देलक। टक्कर एतेक जोरदार छल कि गाड़ी पूरा तरहे छतिग्रस्त भ' गेल। एहि घटना मे गाड़ी मे बैसल परिवारक आन सदस्य सभ घायल भ' गेल। घायल सभकेँ ईलाजक लेल अस्पताल भेजल गेल अछि। 

घटनाक बाद स्थानीय थाना एहि घटनाक पुष्टि केलक आओर दुर्घटनाग्रस्त गाड़ी केँ थाने मे सुरक्षित राखल गेल अछि। एक पुलिस अधिकारी कहलनि  कि दुर्घटना कल जज सेहो कार मे सवार छला।