बेगूसराय। 07 फरवरी। बिहार मे कैल्हि मंगल दिन सँ शुरू भेल इंटरमीडिएट केँ परीक्षा मे बेगूसराय जिलाक लाखो सहायक थाना क्षेत्रक सर्वोदय उच्च विद्यालय शाहपुर परीक्षा केंद्र सँ एक फर्जी परीक्षार्थी क' गिरफ्तार कायल गेल।
सेंटर सुपरिटेंडेंट हेमेंद्र झा कहलनि कि गिरफ्तार फर्जी परीक्षार्थी सोनू कुमार अप्पन भागिन हरिशंकर कुमारक स्थान पर परीक्षा द' रहल छल। परीक्षा केंद्रक निरीक्षण मे आएल एएसपी आओर एसडीएम एडमिट कार्ड मे लागल परीक्षार्थी केँ फोटो सँ परीक्षा द' रहल युवकक मुंहक मिलान करबाक बाद पकड़लक। पूछताछ मे हुनकर फर्जी होयबाक बात सामना अएला पर हुनका गिरफ्तार क' लेल गेल। गिरफ्तार सोनू कुमार जाहि छात्र हरिशंकर कुमार केँ बदला परीक्षा दैत रहथिन ओ पीडीएस केँ अन्तर कॉलेज सदानंदपुरक छात्र छल।