सेल्फी लेबाक' लेल चढल मालगाड़ी पर युवकक' गेल प्राण



मुजफ्फरपुर । सेल्फी लेबाक शौख 20 वर्षक' एगो युवकक' प्राण ल लेलक। हाईटेंशन तारक चपेट में आइब जिंदा जैर गेलैथ। हुनका जरैत देख हुनका संग ऐल संगी सब ओहीठाम स भाइग गेलैथ। आसपासक' लोग पहुंचला, मुदा कियौ किछु नैय क' सकलैथ। नारायणपुर अनंत के यार्ड में लाइन नंबर नौ पर लागाल मालगाड़ी के इंजन से सटल वैगनक' उपरका हिस्सा पर एगो युवक चैढ़क' सेल्फी लैय छेलैथ। ऐही क्रम में ओ  हाईटेंशन तारक चपेट में आइब धू-धू क जरैय लगला। यी देख मालगोदाम में काम करैयबला मजदूर व किछु स्थानीय लोग मौका पर दौड़ला, मुदा हुनक जान नैय बचा सकलैथ। सूचना भेटला पर आरपीएफ व जीआरपीक' अधिकारी घटनास्थल पर पहुंचलैथ आओर मामला के जानकारी लेलैथ।    

स्थानीय लोग सब कहलैथ कि यार्ड स सटल मालगोदाम परिसर में स्कूटी स दू युवक पहुंचलैथ। स्कूटी ठाड़ क दुनू सेल्फी लेबाक लेल मालगाड़ी के इंजन के पास पहुंचला। एगो युवक पहिले वैगन के ऊपर हिस्सा पर चढलैथ। हाईटेंशन तारक चपेट में आइबत दोसर स्कूटी छोड़क भाइग गेलैथ। इम्हर सूचना पाइब युवकक मामी समेत ओर लोग सब पहुंचलैथ। आरपीएफ इंस्पेक्टर सुजीत कुमार सिंह कहलैथ कि स्कूटी जब्त क लेल गेल अछि। मृतकक पहचान सिकंदरपुर निवासी राजमंगल तिवारी के पुत्र रोहन के रूप भेल अछि। प्राप्त खबैर के मुताबिक अगला महीना मे मृतक बहिनक का बिबाह अछि।