जाहि गाम मे नीतीश कुमार पर बरसल छल पाथर, ओहि गाम मे तेजस्वी यादव पर बरसाओल गेल फूल

बक्सर। 22 जनवरी। किछु दिन पहिने बक्सर जिलाक नंदन गाम बहुत चर्चा मे आयल छल। किएक जे ओहि गाम मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर नाराज ग्रामीण सभ पथराव केना रहथिन। मुदा पूर्व उपमुख्यमंत्री आओर  आरजेडी नेता तेजस्वी यादव केँ ओहि गाम पहुंचला पर दलित परिवार सभ हुनकर फूल बरसा केँ स्वागत कएलनि।

दरअसल, तेजस्वी यादव शनि दिन नंदन गाम पहुंचल छला। एहि गाम मे नीतीश कुमार पर पथराव करबाक बाद पुलिस कैको निर्दोष लोग सभ पर कार्रवाई केना अछि। आरजेडी केर आरोप अछि कि एहि महादलित परिवार सभकेँ पुलिसिया कहर केर सामना करे पड़ी रहल अछि। तेजस्वी यादव जखन नंदन गाम पहुंचला तेँ ओहिठामक दलित परिवार हुनकर स्वागत फूल बरसा केँ कएलनि।


एम्हर जेडीयू तेजस्वी यादव पर हमला करैत कहलक कि तेजस्वी यादव  नंदन गाम महादलित परिवार सभकेँ सांत्वना देबा नहि अपना ऊपर भाड़ाक लोग सँ फूल बरसेबाक लेल गेल छला। गौरतलब अछि कि समीक्षा यात्राक दौरान नीतीश कुमार जखन नंदन गाम पहुँचल रहथिन तेँ महादलित सभ हुनका सँ भेट करबाक मांग केना छल। मुदा हुनका सभकेँ मुख्यमंत्री सँ भेंट नहि करे देल गेल छल जाहिसँ नाराज दलित सभ मुख्यमंत्रीक काफिला पर पत्थरबाजी केना छल।