प्राप्त खबैर केर मुताबिक, सिंघौल थाना क्षेत्रक उलाव मे रहय बाली पीड़िता घरक किछु सामान किनबाक लेल दोकान जायत छली, एहि दरमियान पड़ोस मे रहय बला युवक शिवम पीड़िता केँ जबरदस्ती मकई केँ खेत मे ल' गेलनि आओर दुष्कर्म करबाक प्रयास केलनि। मुदा पीड़िताक खूब चिकरबाक बाद आसपासक लोग ओहिठाम जमा भ' गेल, जाहिकेँ देखते आरोपी ओहिठाम सँ फरार भ' गेल।
दुष्कर्मक प्रयास मे असफल भेलाक बाद आरोपी युवक पीड़िताक गुप्त अंग केँ घायल क' देलनि। बाद मे पीड़िता केँ परिजन सभ थाना पहुँच एहि मामलाक सूचना पुलिस केँ देलनि। जाहिक बाद पुलिस आरोपी युवक केँ गिरफ्तार क' लेलक। फिलहाल, पीड़िता केँ मेडिकल जांच लेल सदर अस्पताल भेजल गेल अछि।