न्यूनतम तापमान मे कने वृद्धि भेल मुदा, हाल तुरंत शीतलहरी सँ राहत नहि भेटत

सहरसा। 22 जनवरी। मिथिलांचल मे कैल्हि रवि दिन सबसँ कम, न्यूनतम तापमान 6.7 सेल्सियस रिकार्ड करबाक संग मौसम विभाग अगिला 24 घंटा मे मिथिलांचलक बेसी हिस्सा मे भोरका पहर शीतलहर रहबाक संभावना जतौलनि अछि।

पटना स्थित मौसम विभागक कार्यालय सँ प्राप्त जानकारी केर मुताबिक कैलहि रवि दिन भागलपुर जिलाक सबौर मे सभसँ कम, न्यूनतम तापमान 6.7 सेल्सियस रिकार्ड कायल गेल सहरसा, सुपौल, दरभंगा आओर मुजफ्फरपुर मे बहुत ठंड महसूस कायल गेल। 
पटना, भागलपुर, गया आओर पूर्णिया मे आय न्यूनतम तापमान क्रमश: 07.6, 07.2, 07.6 आओर 08.3 डिग्री सेल्सियस रहल। कैल्हि रवि दिन पटना, गया, भागलपुर आओर पूर्णिया मे अधिकतम तापमान क्रमश: 22.0, 25.0, 19.6 आओर19.8 डिग्री सेल्सियस रिकार्ड कायल गेल। मौसम विभागक अगिला 24 घंटाक पूर्वानुमानक मुताबिक कैल्हि भोर मिथिलांचल समेत पूरा बिहार मे शीतलहर रहत आओर बाद मे आसमान साफ होयबाक संभावना अछि।