मधुबनी : पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट (मिथिला कप - 2018) केँ पांचम लीग मैच मे पिलखवाड़ गुणा एलेवेन 2 विकेट सँ विजयी

मधुबनी। 22 जनवरी। [विनोद शंकर झा लड्डू] युगांतर ट्रस्ट,पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल।  मिथिला कप 2018 केँ पाँचम लीग कैल्हि रवि दिन पिलखवाड़ गुणा एलेवेन आओर युवा क्रिकेट क्लब सन्हौलीक बीच जीत आ हारक कशमकश रोमांचक  मुकाबला मे विजेता टीम पिलखवाड़ गुणा एलेवेन16हम ओवर मे दू विकेट शेष रैहते टाॅस जीत पहिने बल्लेबाजी करे आयल सन्हौली टीम केँ निर्धारित 20 ओवर मे देल गेल 115 रनक आसान लक्ष्य केँ हासिल क' लेलक। 

नीक गेंदबाजी आओर क्षेत्ररक्षण करैत गुना एलेवेन टीम 20सम ओवर मे सन्हौली टीमक सभ विकेट ल'केँ एक समय बड़का स्कोर दिस बढ़ी रहल टीम केँ मात्र 114 रन‌ पर रोकी देलक। गेंदबाजी करे आयल सन्हौलीक टीम पावर प्ले मे उम्दा गेंदबाजी आओर बेहतरीन कैच पकड़ैत गुना  एलेवेन टीम टीमक लेल आसान‌ देखार द' रहल लक्ष्य केँ मुश्किल क' देना छल। 

लगातार एक केँ बाद एक विकेट गिरलाक बादो गुना  एलेवेन टीमक बल्लेबाज सभ सिंगल डबल रन लेबाक बजाय बाउंड्री मे विश्वास करैत  आठ विकेटक नुक्सान पर 99 रन बना लक्ष्यक नजदीक पहुंच गेल। जाता गुना  एलेवेन टीम जीत सँ मात्र 16 रन दूर छल तेँ ओतहि सन्हौली टीम जीतक लेल मात्र दू विकेट दूर छल। गेंदबाजी मे जलवा देखा चुकल रजा एहि फंसल मैच मे गुना  एलेवेन टीमक लेल संकट मोचन बनी बेहतरीन बल्लेबाजी करैत महत्त्वपूर्ण 26 रन बना अप्पन टीम केँ विजय दियौलनि। 


शिवनगर मैदान पर दर्शक सभ मैचक भरपूर आनंद उठौलनि आओर दुनू टीमक प्रदर्शन केँ खूब तारीफ कएलनि। टूर्नामेंटक सचिव समीर कुमार मोनू मैन ऑफ द मैचक पुरस्कार किफायती गेंदबाजीक संग एक विकेट आओर नाबाद 26 रन बनबै बला मो. रजा केँ देलनि ओतहि टूर्नामेंटक अध्यक्ष सह मैरीन चीफ इंजिनियर विनोद शंकर झा लड्डू उपविजेता टीमक कप्तान केँ सांत्वना पुरस्कारक रूप मे कप देलनि। ओतहि  पिलखवार टीमक कप्तान गुना कमिटी केँ सदस्य अंपायर शैलेन्द्र कुमार मिश्र, कुंदन, मैथिली काॅमेंटेटर अक्षय आनंद सन्नी सहित आन सदस्य कृष्णा, मुरारी, अजित गोलू ,राजू, राजीव बामदेव, आओर उपस्थित अभिभावक सभकेँ टूर्नामेंटक अनवरत आओर स्तरीय संचालनक लेल आभार व्यक्त कएलनि। 

युगान्तर ट्रस्ट द्वारा प्रायोजित मिथिला कप- 2018 - लीग मैच स्कोर विवरण;

पांचम लीग मैच

Y.C.C. सोनहौली vs गुणा IX, पिलखवाड़

टाॅस - सोनहौली (बल्लेबाजी)
सोनहौली - 114/10(19.3 ओवर)
पिलखवाड़ - 115/8 (15.4 ओवर)
परिणाम- गुणा XI  2 विकेट सँ विजयी
मैन ऑफ द मैच- मो. रजा, गुणा XI (26 रन 1 विकेट)