मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन कुर्सी बचेबाक राजनीति क' रहल छथि : पप्पू यादव

पटना। 02 दिसम्बर। जन अधिकार पार्टी के संरक्षक आओर सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि कि राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 'सेंटीमेंट' केर राजनीति क' रहल छथि।

पप्पू यादव दुनू नेता पर जनता सभके मुद्दा सँ भटकेबाक आरोप लगौलनि। पटना मे संवाददाता सम्मेलन मे पत्रकार सभके सम्बोधित करैत पप्पू यादव कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन कुर्सी बचेबाक राजनीति क' रहल छथि आ लालू प्रसाद अप्पन परिवार क' राजनीति मे बचेबाक कोशिश क' रहल छथि। दुनू क' जनता सभक मुद्दा सँ कोनो सरोकार नहि छैन्ह। 

पप्पू यादव बरख 2005 सँ बरख 2016 के बीच विकास सँ जुड़ल एक रिपोर्ट जारी करैत कहलनि कि नीतीश कुमार विकास केर दावा करैत छथि' मुदा हुनकर सरकार हर मोर्चा पर विफल रहल अछि। लोग सभक मूलभूत जरूरत पूरा करबा मे बिहार अंतिम तीन राज्य मे शामिल अछि। पप्पू यादव आगू कहलनि कि केंद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह सेहो मानैत छथि कि अपराधक मामले मे बिहार, उत्तर प्रदेश के बाद दोसर स्थान पर अछि, जखन कि नीतीश कुमार दावा करैत छथि कि अपराधक घटना सभमे कमी आयल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ