लवली आनंद कहलनि कि पद्मावती फिल्म केर विरोध मे जारी संघर्ष केर ई पहिल जीत अछि मुदा पूर्ण विराम नहि। ऐतिहासिक सच क' सामना आनला बिना हम सभ पूरा देश मे पद्मावती पर प्रतिबंध हेतु लड़ाई जारी राखब। आगा ओ कहलनि कि पद्मावती राष्ट्रीय स्वाभिमान शौर्य आओर पवित्रता केर प्रतीक अछि। निजी फायदा केर लेल हुनका नाचै बाली के रूप मे पर्दा पर पेश करबाक कियो हिम्मत करैत छथि तेँ ई बर्दाश्त केर बाहरक गप अछि।
बिहारक बच्चा-बच्चा एहि बात सँ अवगत अछि कि पूर्व सांसद आनंद मोहन निर्दोष छथि आओर राजनीतिक षड्यंत्र केर तहत हुनका कैको बरख सँ जेल केर यातना भुगतबाक लेल विवश कायल जे रहल अछि। हर तरहक शोषण आओर अन्याय सँ सतत संघर्ष कराई बला आनंद मोहन केँ लेल पूरा बिहार मे एक निर्णायक संघर्षक समय अछि आओर बिहार केर जनता एहि संघर्ष मे आनंद मोहन जी के संग छथि। पूर्व सांसद श्रीमती आनंद कहलनि कि गरीबी कोनो जाती पूछिकेँ नहि आबैत अछि। देश मे प्रतिभा केर पलायन भ' रहल अछि ऐना मे हो प्रतिभावान परञ्च गरीब सवर्ण सभके नौकरी मे आरक्षण केर जरूरत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।