लालू यादव लगातार 10सम बेर बनला राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष

पटना। 14 नवम्बर। राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव एक बेर फेर सँ पार्टी केर राष्ट्रीय अध्यक्ष बनला। कैल्हि सोम दिन लालू यादव एहि पद पर निर्विरोध निर्वाचित घोषित भेला। राजद प्रवक्ता चितरंजन गगन द्वारा ऐहिक जानकारी देल गेल। ऐहिक संगे लालू यादव लगातार 10सम बेर पार्टी केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष चुनल गेला। 

अपने क' बता दी एहि पदक लेल लालू यादव केँ अलावा केओ गोटा नामांकन दाखिल नहि केना छल। ऐना मे पार्टी निर्वाची पदाधिकारी जगदानंद सिंह हुनका पार्टी केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष निर्वाचित करबाक  घोषणा केलनि।  

गौरतलब अछि कि लालू यादव 10सम बेर एहि पदक लेल रवि दिन नामांकन दाखिल केना छला। बरख 1997 मे चारा घोटाला मे आरोपित कायल गेला पर मुख्यमंत्री पद पर अप्पन पत्नी राबड़ी देवी क' आसीन करबाक बाद सँ लालू यादव लगातार राष्ट्रीय अध्यक्ष पद केर कमान सम्हैर रहल छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ