दिन - राति प्रवाहित होमै बला नाम रस केर बीच भिनसर होयते भक्त लोकनिक भीड़ जमा होमे लागैत अछि। राति केँ मैया केँ भक्त लोकनिक भीड़ एतेक उमैड़ परैत अछि कि माँ श्यामा माई परिसर छोट पैड़ जायत अछि। भक्त लोकनिक जयकार केँ बीच कीर्तन मंडली सभक दिस से विभिन्न धुन सभ पर माँ श्यामा नामधुन संकीर्तन सँ पूरा माहौल भक्तिमय बनल अछि। ओहिठाम उपस्थित हर भक्तक मुंह सँ अपनेआप मैया केर नाम निकैल रहल अछि। माँ श्यामा मंदिर मे मैया केर दर्शन करबाक लेल दिन - राति भक्त सभक तांता लागल रहैत अछि।
पूरा माधवेश्वर परिसर मे आध्यात्मिक संगम केर विहंगम नजारा देखबाक लेल भेट रहल अछि। भक्त लोकनि परिसर मे डेग राखैते मैया केर भक्ति मे डूबे लागैत छथि। सभक मुखारविंद सँ सिर्फ आओर सिर्फ माँ श्यामा केर नाम निकैल रहल अछि। ओतहि मंदिर परिसर के बाहर लगाओल गेल मेला केँ सेहो प्रसार लगातार बढ़ते जे रहल अछि। परिसर के भीतर व बाहर केर माहौल पूरा तरहे भक्तिमय बनल अछि।
नौ दिन धरी चलाई बला एहि आयोजन ल'केँ लागै बला मेला मे शहर केँ बाहरो से बहुत दोकानदार पहुँचल छथि। ओतहि माँ श्यामा मंदिर न्यास समिति सँ जुडल लोग सभ पूरा तरहे चौकस देखार देला। न्यास समिति व नवाह यज्ञ संचालन समिति सँ जुड़ल कार्यकर्ता सभ पूरा परिसर मे चौकस छथि। ओतहि दरभंगा के अलावा आन स्थान सभसँ सेहो कीर्तन मंडली सभ पहुँच रहल अछि। सभ अप्पन - अप्पन प्रस्तुति सँ मैया केँ दरबार क' गुलजार क' रहल अछि। 7 नवम्बर सँ शुरू भेल ई नवाह यज्ञ 16 नवम्बर धरी चलत।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।