भाजपा मंत्री सभ लेलनि भ्रष्टाचार मुक्त बिहार बनेबाक संकल्प

पटना। 08 अगस्त। बिहार सरकार म' सहयोगी दल भाजपा के मंत्री लोकनि द्वारा वंदेमातरम नारा लगेबाक संग संकल्प सम्मलेन केर शुरुआत भेल। भाजपा प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय केर अध्यक्षता म' भाजपा मंत्री सभके सम्मान काएल गेल। एहि कार्यक्रम म' भाजपा प्रदेश संगठन मंत्री नागेन्द्र द्वारा कार्यक्रम केँ प्रस्तावना राखल गेल। 

एहि मौका पर जनसंघ के संस्थापक दीन दयाल उपाध्याय आओर श्यामा प्रसाद मुखर्जी के फोटो पर माल्यार्पण काएल गेल। बिहार के उपमुख्यमंत्री  सुशील मोदी व प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय समेत सभ मंत्री क' अंगवस्त्र भेंट करि सम्मानित काएल गेलनि। 

एहि अवसर पर भाजपा प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय द्वारा सभके संकल्प दियाओल गेल कि गंदगी भारत छोड़ू, गरीबी भारत छोड़ू, भ्रष्टाचार भारत छोड़ू, आतंकवाद भारत छोड़ू, जातिवाद भारत छोड़ू, संप्रदायवाद भारत छोड़ू। 

अपने क' बता दीमहागठबंधन टुटलाक बाद बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के पार्टी जदयू द्वारा भाजपा संग गठबंधन करि बिहार म' एक बेर फेर सँ सरकार बनाओल गेल। नीतीश कुमार अप्पन सहयोगी दल आरजेडी सँ भ्रष्टाचार केर मुद्दा पर संबंध तोड़लनि। ओहिक बाद बिहार म' भ्रष्टाचार पर जीरो टोलेरेंस के नीति पर आओर व्यापक गति सँ काज करबाक लेल भाजपा सेहो अप्पन मंत्री सभके संकल्प दियोलानी ताकि बिहार म' भ्रष्टाचार क' खत्म काएल जे सके। 
एम्हर, उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी अप्पन पद सम्हैरते एक्शन लेब शुरू क' देना छथि। सुशील मोदी कैल्हि एक प्रेस कांफ्रेंस करि बालू माफिया सभ पर केना रहथिन। सुशील मोदी राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद पर बालू माफिया सुभाष यादव के संग गहरा संबंध रखबाक आरोप लगेलनि। अपने क' बता दी सुभाष यादव के तीन कंपनी क' पटना, भोजपुर, सारण, वैशाली, जहानाबाद आओर अरवल जिला म' 237 करोड़ टाकाक बालू खनन के पट्टा भेटल अछि। सुभाष यादव राबड़ी देवी के 18 फ्लैट के माँ मरछिया देवी काम्पलेक्स केे तीन फ्लैट 1.62 करोड़ टाका म' किनने रहथिन।

एहि मौका पर बिहार सरकार म' मंत्री मंगल पाण्डेय, नंदकिशोर यादव, विनोद नारायण झा समेत  भाजपा के कैको दिग्गज नेता मौजूद छला। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ