दरअसल, नौ अगस्त क' चंपारण के धरती सँ तेजस्वी यादव नीतीश केर खिलाफ जनादेश अपमान यात्रा केर शुरुआत करता। एहिसँ पहिने पटना आवास पर आयोजित कार्यक्रम म' आए राबड़ी देवी अप्पन दुनू बेटा क' तिलक लगौलनि। ऐहिक बाद तेजस्वी-तेजप्रताप दुनू अप्पन माँ के पैर छुबि आर्शीवाद लेलनि।
एहि अवसर पर लालू यादव कहलनि कि तेजप्रताप आओर तेजस्वी यादव के माता जी राबड़ी देवी अप्पन दुनू बेटा क' रणक्षेत्र म' भेज रहल छथि। ई सभ सांप्रदायिक ताकत व एतुका 'रणछोड़' (नीतीश कुमार) सँ लड़ाई लड़ता। लालू यादव कहलनि कि दुनू विजयी भ'क' लौटता।
लालू यादव कहलनि कि अप्पन दुनू बच्चा क' जनता के बीच भेज रहल छी। एहेन पहली बेर भ' रहल अछि जखन तेजस्वी व तेजप्रताप बिना पिता के कुनू राजनीतिक आंदोलन केर अगुवाई करता। एहि दौरान दुनू पूरा बिहार के भ्रमण करता। संगहि 27 अगस्त क' होमै बला रैली लेल लोग सभके आमंत्रित करता।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।