सुचना भेटलाक बाद पुलिस पांचों बच्चा के शव भटहंडी स्थित निर्माणाधीन हाजीपुर-सुगौली रेल लाइन के बगल म' स्थित एक पैन सँ भड़ल खधैर सँ बरामद केलनि। साहेबगंज के थाना प्रभारी नवीन कुमार कहलनि कि मृतक बच्चा सभक नाम राज कुमार, विक्की कुमार, अमित कुमार, उदय कुमार आओर करण कुमार अछि। मृतक सभक उम्र 8 सँ 14 बरखक बीच बताओल जे रहल अछि। नवीन कुमार हत्या केर आशंका क' नकारलनि आओर अनुमान लगौलनि कि सभ बच्चा कपड़ा उतैर पैन म' नहेबाक लेल गेल छल जता डुबला सँ सभक मौत भेल।
थाना प्रभारी नवीन कुमार कहलनि कि सभ बच्चा के कपड़ा आओर चप्पल घटनास्थल पर भेटल अछि। पुलिस शव क' बरामद करि पोस्टमॉर्टम लेल भेज देलनि। पोस्टमॉर्टम रिपोर्ट अएबाक बाद मौतक सही कारण के पता चलत। पुलिस पूरा मामला के छानबीन क' रहल अछि। स्थानीय लोग सभक कहब अछि कि बच्चा सभक शव पर चोट केर निशान अछि। एहिसँ लागैत अछि कि बच्चा सभक हत्या करि खधैर म' फेकल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।