विजय माल्या लंदन मे गिरफ्तार, भारत के काएल जे सकैछ प्रत्यर्पण

नई दिल्ली। 18 अप्रैल। व्यापारी विजय माल्या क' लंदन मे गिरफ्तार काएल गेल अछि। हुनका भारत के प्रत्यर्पित काएल जे सकैछ। माल्या भारत मे कर्ज नहि चुकेबाक मामला मे 'भगौड़ा' घोषित काएल जे चुकल छथि। बताओल जे रहल अछि कि वेस्टमिंस्टर कोर्ट केर आदेश पर हुनका गिरफ्तार काएल गेल अछि। 

माल्या के बंद भ' चुकल किंगफिशर एयरलाइंस पर बैंक सभक 9,000 करोड़ टाका से बेसी कर्ज बकाया अछि। माल्या पिछला बरख 2 मार्च के भारत छोइर ब्रिटेन चल गेल छला। जाहिक किछ दिन बाद अदालत माल्या क' अपन पासपोर्ट के साथ व्यक्तिगत रूप से 30 मार्च 2016 के पेश होमे कहलनि। भारत एहि बरख 7-8 फरवरी के औपचारिक तौर पर ब्रिटेन सरकार क' भारत-ब्रिटेन प्रत्यर्पण संधि के तहत माल्या क' प्रत्यर्पण केर औपचारिक आग्रह कएलनि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ