अटल जीक निधन भेलाक बाद समूचा देश समेत बिहारमे सात दिनक राजकीय शोक घोषित

दिल्ली : भारत केर सर्वप्रिय पूर्व प्रधानमंत्री, कवि, कुशल राजनीतिज्ञ आओर भारतरत्न अटल बिहारी वाजपेयी जीक नमहर बीमारी केँ बाद बृहस्पतिदिन साँझमे 5:05 बजे दिल्ली स्थित अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) में दुःखद निधन भए गेलनि। एम्सकेँ मीडिया एवं प्रोटोकॉल डिवीजनक अध्यक्ष प्रो. आरती विज द्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल अछि जे भारी मोनसँ हम पूर्व प्रधानमंत्री अटल जीक निधनक सूचना दs रहलहुँ अछि। अटल जीक निधन केर बाद केंद्र सरकार समूचा देशमे 7 दिनक राष्ट्रीय शोक केँ घोषणा कयलनि अछि। ओतहि उत्तरप्रदेश, झारखंड, उत्तराखंड समेत बिहारमे सेहो आय शुक्रदिन स्कूल, कॉलेजमे छुट्टीक घोषणा कय देल गेल अछि।

मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक निधनोपरांत राज्यमे 7 दिनक राजकीय शोकक घोषणा कयलनि अछि। अहिक्रममे सभ सरकारी कार्यालय आओर भवन पर राष्ट्रीय ध्वज आधा झुकल (हाफ मास्ट) रहत। अटलजीक सम्मानमे राज्य सरकार 17 अगस्त, 2018 अर्थात आय शुक्रदिन राजकीय अवकाश घोषित कयलनि अछि। सभ सरकारी कार्यालय आओर विद्यालय बन्न रहत संगहि राजकीय शोकक क्रममे सरकारी स्तर पर होमए वला मनोरंजक कार्यक्रम व सामूहिक भोज आदि पर सेहो रोक लगाओल गेल अछि। सामान्य प्रशासन विभाग अहि सम्बन्धमे केंद्र सरकार द्वारा जारी निर्देशकेँ समस्त जिलाधिकारी आओर विभागाध्यक्ष केँ पठा अहि आधार पर कार्यवाही करबाक लेल कहलनि अछि।

बिहार सरकार द्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल अछि जे समूचा राज्यमे 7 दिनक राजकीय शोक आओर 17 अगस्त, आय शुक्रदिन सार्वजनिक छुट्टी रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कहलनि जे अटलजी एकटा बेहद उदारवादी सर्वप्रिय व्यक्तित्व छलाह। हमर व्यक्तिगत हुनका सँ बेसी गपशप रहैत छल, आय हम अपन गार्जियन केँ हेरा देलहुँ।

जनतब हो जे अटलजीक निधनोपरांत राजनीतिक गलियारा सँ कतेकोरास राजनेता सभ अटलजीकेँ एम्समे देखबाक हेतु पहुँचलाह जाहिमे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, गृहमंत्री राजनाथ सिंह, सुषमा स्वराज, बिहार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप-मुख्यमंत्री सुशील मोदी, शाहनवाज हुसैन, स्मृति ईरानी मुख्य छथि। अटलजीक देहावसान सँ बॉलीवुड समेत भोजपुरी सिनेजगत सेहो मर्माहत अछि, भोजपुरी फिल्मजगत सँ रवि किशन एकटा कविता पोस्ट कय अटलजीकेँ श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि अछि। दक्षिणी भारत सँ रजनीकांत सेहो दुःख व्यक्त कयलाह अछि।

बिहार सँ राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव, विपक्ष नेता तेजस्वी यादव व पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी सेहो अटलजीक निधन पर भारी दुःख व्यक्त कयलनि अछि। लालूजी कहलनि जे अटलजी सर्वप्रिय आ उदारवादी व्यक्तित्व छलाह, हिनकर निधनसँ रिक्त भेल स्थानकेँ पुनः भरि पेनाय असंभव थिक।

बिहारकेँ मिथिला क्षेत्रमे अटलजीक निधनसँ भारी शोक देखल जा रहल अछि। मिथिलाक मैथिली भाषाकेँ संविधानक अष्टम अनुसूचिमे स्थान दियौनिहार अटलजीकेँ मिथिला सदैव ऋणी रहत। सीतामढ़ी, दरभंगा आओर मधुबनी सँ अटलजीक बहुतरास यैद सेहो जुड़ल अछि।

अपने सभकेँ बता दी जे अटलजी डिमेंशिया नामक गंभीर रोगसँ पीड़ित छलाह। अहि रोगमे पीड़ितकेँ किछु यैद नहि रहैछ, एकर अलावा अटलजी केँ एकटा गुर्दा (किडनी) सेहो काज नहि करैत छलनि। मूत्रनलीमे संक्रमण संगहि मधुमेह (चीनी रोग) सँ अटलजीक तबियत बेसी खराब रहैत छलनि, अंततः बृहस्पतिदिन साँझमे हुनक देहावसान भए गेलनि।

युग-युग धरि भारतीय लोकतंत्रमे अटलजीक भूमिका स्मरण कयल जायत। हिनकर कविता आओर ऐतिहासिक भाषण सँ आबै वला पीढ़ी सदैव प्रेरित होएत रहताह।

मिथिला दैनिक समूह सेहो अटलजीकेँ श्रद्धा सुमन अर्पित करैत जानकी सँ प्रार्थना करैत अछि जे अहि युगपुरुष केँ शीघ्र मोक्ष प्रदान करतीह।