मोतिहारी:मोतिहारी जिलाक एगो गांव में एगो शिक्षक अप्पने कोचिंग में पढ़ैए बाली आठ बरखक मासूम छात्रा केँ संग दुष्कर्म कँ गुरु-शिष्यक संबंधक केँ तार तार कँ देलक।एही मामला में पुलिस आरोपी शिक्षक केँ गिरफ्तार कँ लेलक यै। ओहि छात्रा केँ मेडिकल जांचक लेल अस्पताल भेज देल गेल अछि। एही मामला में छात्रा केँ पिता पुलिस केँ आवेदन देलैथ यै।एहिमें पुलिस केँ कहल गेल अछि कि उ रोज चाइर बजे आरोपी शिक्षक केँ ओत कोचिंग में परहबाक लेल जाइत छल। ओहि दौरान आरोपी शिक्षक शनि दिन कँ साझ में पढ़बाक लेल ऐल मासुम छात्राक संग बहला फुसला कँ दुष्कर्म केलैक। साबुत छुपेबाक लेल हत्या करबाक प्रयास केलक। मुदा एहिमें उ सफल नैए भँ सकल। कोनो तरहे बच्ची अप्पन जान बचा कँ घर पहुंचल। थानाध्यक्ष अभिनव कुमार दूबे कहलैथ कि छात्राक पिता केर आवेदन पर एफआईआर दर्ज कँ आरोपित शिक्षक केँ गिरफ्तार कँ लेल गेल अछ।
#दुष्कर्म #नाबालिक #मोतिहारी #मैथिली समाचार