भाजपा के निलंबित नेता कीर्ति आजाद केलनि सुशील मोदी पर टिप्पणी

समस्तीपुर। 18 अप्रैल। एक दिस भाजपा के वरिष्ठ नेता आओर पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी लालू परिवार के खिलाफ प्रतिदिन खुलासा पर खुलासा क' रहल छथि तें ओतहि दोसर दिस भाजपा के निलंबित सांसद कीर्ति आजाद के लालू यादव केँ प्रति प्रेम बढ़ैत देखार द' रहल अछि।  

समस्तीपुर मे बीजेपी सँ निलंबित सांसद कीर्ति आजाद बिहार के चर्चित मिट्टी मॉल घोटाला पर पूछल गेल सवालक जबाब मे कहलनि कि सुशील मोदीक बारे मे जतेक कम बाजल जाए ओतेक निक होयत। सुशील मोदी बिना तथ्य के बात करैत छथि। ओ छपास नेता छथि आओर हुनका मीडिया मे बनल रहबाक आदत छैन्ह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने