दिल्ली: 17 सितंबर सs शुरू होबै बला आरआरबी ग्रुप डी केँ परीक्षाक लेल कतेको स्पेशल ट्रेनक ऐलान कैल गेल अछि। एहिसँ बिहार और उत्तर प्रदेशक रेलवे ग्रुप डी केर परीक्षार्थी सबके बहुत सुविधा भेटत। गौरतलब अछि कि रेलवे ग्रुप डी (लेवल 1 ट्रैक मेंटेनर्स, असिस्टेंट पॉइंट्समेन आदि) परीक्षाक लेल करीब 1 करोड़ 90 लाख उम्मीदवार आवेदन भरने छैथ। ऐहेन में जाहिर बात अछि कि लगभग हजारो परीक्षार्थी केर परीक्षाक केंद्र पड़ोसी राज्य में हैत। परीक्षार्थी सबके आबैए जाऐ में कोनो दिक्कत नञि होए,एहीके लेल स्पेशल ट्रेन चलाओल जैत।
ट्रेन नंबर: 03241/03242 - 16 सितंबर सेँ 16 अक्टूबर केर बीच चलत। पटना/गोरखपुर/बस्ती
ट्रेन नंबर: 03253/03254 - 15 सितंबर सेँ 16 अक्टूबर केर बीच चलत दानापुर/लखनऊ
ट्रेन नंबर: 03685/03686 - 16 सिंतबर सेँ 22 अक्टूबर तक चलत। गया/रांची
#स्पेशल ट्रेन #R. R. B परीक्षार्थियों #मैथिली समाचार