टाइम मैगजीन पोल : प्रधानमंत्री मोदी नहि रहला प्रभावशाली, एहि बेर हुनका एको वोट नहि भेटल

नई दिल्ली। 18 अप्रैल। मोदी प्रशंसक सभक लेल निराशाजनक खबैर अछि। कहियो टाइम मैगज़ीन मे प्रभावशाली लोगक रेस मे रहे बला प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के एहि बेर एको गोट वोट नहि भेटल। 

अपने के बता दी, ई एक ऑनलाइल सर्वे अछि, जाहिमे प्रकाशक अपन पाठक सभके ओहि लोगक लेल वोट करे कहैत अछि, जिनका एहि बरखक   टाइम केर 100 सर्वाधिक प्रभावशाली लोगक सूची मे शामिल करबाक होयत अछि। 100 प्रभावशाली लोगक अंतिम अधिकारिक लिस्ट केर  फैसला टाइम मैगजीन के एडिटर्स द्वारा काएल जायत आओर फाइनल लिस्ट केर ऐलान 20 अप्रैल दिन होयत। 

मुदा बरख 2016 के अनुसार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सोशल मीडिया पर बहुत सक्रिय रहैत छथि सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर हुनकर समर्थक सभक संख्या सेहो जबरदस्त अछि। ओ एहि दौड़ मे अमेरिका के पूर्व  राष्ट्रपति बराक ओबामा क' सेहो पाछा छोइड़ देलनि। एक सर्वे केर मुताबिक प्रधानमंत्री मोदी क' सोशल मीडिया पर सभसँ बेसी पसंद काएल जायत छैन्ह। 

अमेरिका के पूर्व राष्ट्रपति बराक ओबामा आओर कैको लोगक खिलाफ अशिष्ट टिप्पणी करै बला रॉड्रिगो दुतेर्ते के रविवार देर रति  बंद भेल मतदान मे ‘हां’ मे पांच प्रतिशत वोट भेटल। मोदी के नाम सेहो सर्वाधिक प्रभावशाली लोगक वार्षिक सूची मे संभावित उम्मीदवार केर तौर पर शामिल काएल गेल छल, मुदा हुनका पक्ष मे एको गोट वोट नहि पड़ल। 
 
पोल मे देखाओल गेल कि मोदी के संगहि माइक्रोसॉफ्ट के सीईओ सत्या नाडेला, इजरायली प्रधानमंत्री बेंजामिन नेतन्याहू, वाइट हाउस के प्रेस सचिव सीन स्पाइसर, अमेरिकी राष्ट्रपति के बेटी इवांका आओर हुनक पति जेरड कुश्नर केर पक्ष मे एकोगोट वोट नहि पड़ल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने