सुशील मोदी नीतीश सरकार से लालू आओर हुनकर परिवारक कथित बेनामी संपत्ति जब्द करैत बिहार विशेष न्यायालय अधिनियम 2010 केर तहत हुनका पर मामला चलेबाक मांग कएलनि। मोदी कहलनि कि ओमप्रकाश कत्याल नामक एक व्यक्ति लालू लेल बेनामी संपत्ति किनबाक लेल 2006 मे एके इंफोसिस्टम प्राइवेट लिमिटेड नाम सँ कंपनी बनौलनि। कंपनी मार्च, 2007 मे 39 लाख टाका मे पटना के पानापुर मे 28.57 डिसमिल आओर चितकोहरा मे 43 डिसमिल यानी कुल 72 डिसमिल जमीन किनलनि।
कंपनी लालू के बेटा तेजस्वी आओर तेजप्रताप केँ प्रभुनाथ यादव सँ उपहारस्वरूप भेटल सलेमपुर डुमरा मे जमीन सहित दू मंजिला पक्का मकान, जाहिक कीमत 14 लाख टाका छल, ओहिके 70 लाख टाका मे किनलनि। एहि बीच ओपी कत्याल 80 लाख टाका आओर हुनकर भाई अमित कत्याल 35 लाख टाकाक कर्ज कंपनी केँ देलनि, जाहिसे तेजस्वी आओर तेजप्रताप लेल आरो जमीन किनल जे सके। 2014 मे कत्याल परिवार एहि कंपनी से बहार भ' गेल आओर कंपनी के मालिक लालू परिवार बैन गेल।
सुशील मोदी कहलनि कि वर्तमान मे कत्याल परिवार के कंपनी म' 85 प्रतिशत हिस्सेदारी पूर्व मुख्यमंत्री आओर लालू के पत्नी राबड़ी देवी के आओर 15 प्रतिशत हिस्सेदारी तेजस्वी के अच्छी। जखनकि लालू आओर हुनकर बेटी रागिनी व चंदा कंपनी के निदेशक छथि। सुशील मोदी सवाल उठौलैन्ह की आखिर एके इंफोसिस्टम कंपनी जमीन किनबाक अलावा कुनु आओर रोजगार किएक नहि केलक ? कत्याल परिवार कंपनी केँ एकमुश्त कर्ज किएक देलनि? मोदी इयो सवाल ठाढ़ केलनि कि भूमिहीन प्रभुनाथ अपन मकान आओर जमीन तेजप्रताप क' उपहार मे देलनि आओर कत्याल परिवार 45 महीना मे नौ गुणा बेसी दाम मे ओहिके किनलक। एहीसे पहिनो सुशील मोदी लालू परिवार पर बेनामी संपत्ति किनबाक आरोप लगेना छला। जाहिके लालू निराधार बतौलैन्ह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।