बड़ा मुश्किल मे फैस सकैत छैथ केजरीवाल के ई मंत्री, 33 करोड़क संपत्ति जब्त

नई दिल्ली। 04 मार्च। दिल्ली सरकार के मंत्री सत्येंद्र जैन एक बेर फेर  नीक जोका फसैत नजैर आइब रहल अछि। दरअसल इनकम टैक्स विभाग राजधानी मे छापा मारी करीब 100 बीघा जमीन आओर कैको कंपनि के शेयर जब्त केलनि अछि। 

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ जब्त कायल गेल संपत्ति केर संबंध कथित तौर पर केजरीवाल के मंत्री सत्येंद्र जैन सँ बताओल जे रहल अछि। ई कार्रवाई आयकर विभाग बेनामी संपत्ति कानून केर ‌तहत केलनि अछि।

ऐहिक बाद कहल जे रहल अछि कि एक बेर फेर दिल्ली आओर केंद्र सरकार के रिश्ता मे खटास आइब सकैत अछि। सूत्र केर मुताबिक़ जब्त कायल गेल जमीनक कीमत 17 करोड़ तेँ ओतहि शेयर सभक कीमत 16 करोड़ बताओल जे रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ