Jio के जवाब मे Vodafone के ऑफर, 342 टाका मे 28GB डाटा आओर अनलि‍मि‍टेड कॉल

नई दिल्ली। 04 मार्च। रि‍लायंस जि‍यो दिस से उपभोक्ता के प्राइस सर्वि‍स के ऑफर देबाक बाद दोसर कंपनि‍ सभ सेहो अपन तैयारी शुरू क' देना अछि, जियो के टक्कर देबाक लेल।

वोडाफोन के नवा प्लान के तहत 342 टाका मे अनलि‍मि‍टेड कॉलिंग के संग - संग 28 जीबी डाटा हर महीना देल जायत। एहि ऑफर के तहत उपभोक्ता हर दिन 1 जीबी डाटा हर दिन उपयोग करबाक लेल भेटत। 

वोडाफोन एहि प्लान क' फि‍लहाल 15 मार्च तक टेस्ट करत। जे उपभोक्ता  15 मार्च से पहिने एहि प्लान के रीचार्ज करता हुनके ई ऑफर भेटत। ई स्किम प्रीपेड ग्राहक लेल अछि। ई प्लान लेनिहार ग्राहक के अगला ११ महीना के लेल समान प्लान के संग रीचार्ज करबा के मंजूरी भेटत। 

आइडि‍या सेहो नवा प्लान पेश  केना अछि। एहि ऑफर के तहत 348 टाका के रिचार्ज मे अनलि‍मि‍टेड कॉलिंग के संगे संग 28 दि‍न वैलिडिटी के संग हर दिन 500 एमबी डाटा भेटत। कंपनी के स्पोक्सवुमन कहलनि कि‍ ई ऑफर 4जी हैंडसेट के संग नॉन डाटा यूजर्स के लेल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ