अपन संसदीय क्षेत्र वाराणसी मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के मेगा रोड शो

वाराणसी। 04 मार्च। अपन संसदीय क्षेत्र वाराणसी मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आय शनिवार दिन मेगा रोड शो केलनि। बनारस हिंदू विश्वविद्यालय मे पंडित मदन मोहन मालवीय क' श्रद्धांजलि अर्पित करबाक बाद खुलल  गाड़ी मे हजारों समर्थक सभक संग मोदी जखन काशी के सड़क पर निकलला तेँ हुनकर एक झलक पेबाक लेल सड़क के दुनु दिस भारी संख्या मे लोग उमैड़ परल। बनारस हिंदू विश्वविद्यालय से शुरू भेल ई रोड शो रविदास गेट से लंका, अस्सी, भदैनी, सोनारपुरा, बुनकर बहुल मदनपुरा, बांसफाटक होयत पहिने बाबा विश्वनाथ मंदिर आओर फेर आखिर मे कालभैरव मंदिर पहुँचल जता मोदी पूजा अर्चना करि जौनपुर के लेल  रवाना भेला।

भोलेनाथ केर नगरी मे रोड शो के दौरान प्रधानमंत्री मोदी के काफिला पर हुनकर समर्थक सभ लगातार फूल के बारिश केलनि। रोड शो के आगा पाछा हजारो केर संख्या मे बीजेपी कार्यकर्ता आओर समर्थक चैल रहल छल। एहि दौरान 'मोदी-मोदी' आओर 'जय श्रीराम' के नारा खूब गूंजल। काशी केर सकरी गलि से होयत मोदीक काफिला जखन काशी विश्वनाथ मंदिर दिस बढ़ल तेँ सड़क काट बनल मकान सभक छत पर भारी संख्या मे लोग हुनका देखबाक लेल ठाढ़ छल। मोदी हाथ हिलाबैत सड़कक दुनु कात मौजूद लोग सभक अभिवादन करैत नजैर अएला। 

पहिने से तय कार्यक्रम केर मुताबिक प्रधानमंत्री केर काफिला पहिने काशी विश्ववनाथ मंदिर पहुँचल। प्रधानमंत्री बनबाक बाद मोदी दोसर बेर एहिठाम आयल छल। एहिठाम दर्शन-पूजन के बाद मोदी पहिल बेर काशी के कोतवाल कहै जाय बला कालभैरव केर दर्शन करे पहुंचला। ऐहिक बाद मोदी जौनपुर लेल रवाना भेला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने