केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान ICU मे भर्ती

पटना। 13 जनवरी। केंद्रीय खाद्य उपभोक्ता मामला के मंत्री रामविलास पासवान क' सांस लेबामे तकलीफक शिकायत के बाद कैल्ह एक निजी अस्पताल के आईसीयू मे भर्ती कराओल गेलन्हि। डॉक्टर के एक टीम केंद्रीय मंत्री हुनकर स्वास्थ्य केर निगरानी क रहल अछि। 

मीडिया रिपोर्टस केर मुताबिक हुनकर नीक इलाज लेल आय हुनका दिल्ली ल' जायल जायत। लोक जनशक्ति पार्टी के प्रवक्ता केर मुताबिक रामविलास पासवान पांच दिनक प्रदेश यात्रा पर छला, जता ओ पटना, खगड़िया, बेगुसराय मोकामा मे बैसार करे बला छला। लेकिन एकाएक हुनकर तबीयत खराब भ' गेलन्हि। पार्टी प्रवक्ता केर मुताबिक हुंकार पत्नी आर बेटा चिराग पासवान हुनका संग अस्पताल मे मौजूद अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने