छपरा मे सड़क निर्माण कंपनी के मैनेजर आर मुंशी केर गोली मरी हत्या

छपरा। 13 जनवरी। छपरा से एक सनसनीखेज वारदात केर खबैर भेटल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक किछ अपराधि सभ सड़क निर्माण मे लागल कंपनी के प्रबंधक आर मुंशी के गोली मरी हत्या क' देलन्हि अछि। बताओल जे रहल अछि कि घटना देरनी थाना इलाका के भगवानपुरक अछि। एहि घटना के बाद पूरा इलाका मे दहशत केर माहौल अछि। ओतहि  निर्माण कंपनी सृष्टि डेवलपमेंट के अधिकारी घटनास्थल पर पहुंच रहल छैथ। बताओल जे रहल अछि कि कंपनी केर मुंशी लाल बाबू मिश्रा मटिहानी बेगूसराय के रहिवासी छलाह। ओतहि  मैनेजर धर्मवीर कुमार पटना के रहिवासी छलाह। 

पुलिस केर मुताबिक़ घटनास्थल से किछ खाली कारतूस बरामद कायल गेल अछि। पुलिस मामला के जांच मे भिरल अछि। निर्माण कंपनी के कर्मचारि सभमे घटना के बाद बहुत दहशत अछि। ओ सभ काज छोइर जेबाक फिराक मे अछि। बताओल जे रहल अछि कि दुनु कर्मचारी कंपनी के साइट पर राति मे सुतल छलाह। भोर जखन ओता कर्मचारी सभ पहुंचल तखन घटना के बारे मे पता चलल। पुलिस अपराधि सभक गिरफ्तारी लेल छापेमारी क' रहल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ