एहि मामला मे किछ दिन पहिने राजू सहित 16 लोग के खिलाफ निगरानी थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। प्राथमिकी मे आरोप छल कि आईएएस अधिकारी राजू जखन कल्याण विभाग के सचिव पद पर तैनात छला, ओहि समय अनुसूचित जाति आर अनुसूचित जनजाति छात्र सभके भेटै बला छात्रवृत्ति मे करोड़ों टाका केर हेराफेरी कायल गेल छल। ई मामला बरख 2013-14 मे छात्रवृत्ति मे अनियमितता बरतबाक अछि।
निगरानी विभाग भेटल शिकायत केर आधार पर एहि मामला के जांच ओहि बरख मार्च महीना मे शुरू केलन्हि। जांच के बाद निगरानी विभाग के पता चलल कि अनुसूचित जाति-जनजाति प्रवेशिकोत्तर छात्रवृत्ति के वितरण मे हेराफेरी भेल अछि।
निगरानी अन्वेषण ब्यूरो राजू के अलावा कल्याण विभाग के तत्कालीन विशेष सचिव सुरेश पासवान, सहायक निदेशक इंद्रजीत मुखर्जी, गोन्ना इंस्टीट्यूट के निदेशक, सचिव आर अन्य पर आईपीसी केर विभिन्न धारा आर भ्रष्टाचार निरोधक अधिनियम के तहत प्राथमिकी दर्ज करौलन्हि अछि। राजू 1991 बैच के आईएएस अधिकारी छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।