मुख्यमंत्री जी वादा नञि, इरादा सँ काज करू : अश्फाक रहमान

पटना। 13 अक्टूबर। राष्ट्रवादी जनता दल यूनाइटेड केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अश्फाक रहमान बिहार सरकार पर मुसलमान सभक हित म' काज नञि करबाक आरोप लगेलन्हि। ओ कहलन्हि कि राज्य सरकार अल्पसंख्यक सभक हित म' कउनु भी काज नञि क' रहल अछि। अल्पसंख्यक सभक लेल चलाओल जे रहल सभ योजना दम तोरी रहल अछि। मुख्यमंत्री जी केवल घोषणा करैत छैथ। जखन कि जरूरत अछि घोषणा आर वादा क' छोईड़ इरादा सँ काज कायल जाय।

अशफाक रहमान कहल कि मुसलमान सभ क'  मुख्यमंत्री जी हुनर औजार आर तालिमी मर्कज शुरु करि हिनक शैक्षणिक आर आर्थिक हालात सुधारबाक बात कहने छलाह। हुनर कार्यक्रम मुस्लिम लड़की सभक लेल चलाओल गेल छल। मुदा आय एहि कार्यक्रम केर की दशा अछि शायद ओ खुद नै जानैत छैथ। हुनर कार्यक्रम बंद भ' चुकल अछि  आर चंद माह तक जे लडंकि सभ हुनर कार्यक्रम केर तहत प्रक्षिण प्राप्त  केलन्हि हुनका सरकारी स्तर पर कुनु सहायता नञि भेटलन्हि जाहि सँ ओ अप्पन आर्थिक स्थिति ठीक क' सकैथ।

तालिमी मर्कज सेहो बंद भ' चुकल अछि। इ सरकार केर गलत नीति केँ कारण बंद भेल। जखन कि औजार कार्यक्रम केर शुरुआत आय धरी नञि  भ' सकल। इ तीनों कार्यक्रम मुसलमान सभक लेल चलेबाक घोषणा मुख्यमंत्री जी केना छलाह। मुदा घोषणा आर अप्पन वादा क' पूरा नञि क' सकलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ