हमरा लेल केकरो लग दूटा बोल नहि रहल
बजाएब कतए ककरा सभटा साज टूटिगेल
छल एकटा फूटल ओहो आब ढोल नहि रहल
सभतरि घुमैत अछि मनुखक भेषमे हुडार
नुकाबै लेल ओकरा लग कोनो खोल नहि रहल
रातिक भोजन ओरिआनमे माएक मोन अधीर
छल हमर बाड़ीमे एकटा से ओल नहि रहल
हँसैत आ मुस्काइत रहए जतएकेँ लोकसभ
मिथिलाक गाममे 'मनु' आब ओ टोल नहि रहल
(सरल वार्णिक बहर, वर्ण-१९)
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।