जेएनयू एक बेर फेर विवाद मेँ, दशहरा पर रावण केँ जगह प्रधानमंत्री केँ पुतला जलाओल गेल

दिल्ली। 13 अक्टूबर। जवाहरलाल नेहरू यूनिवर्सिटी (JNU) कैंपस एक बेर फेर विवाद म' अछि। दशहरा केँ दिन एहिठाम रावण केँ जगह प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर पुतला जलाओल गेल। जेएनयू एनएसयूआई के कार्यकर्ता सभक  दावा छैन्ह कि ओ सभ  जेएनयू म' प्रधानमंत्री केँ पुतला जला क' दशहरा मनेला। पुतला ल'क' शुरू भेल विवाद म' वाइस चांसलर प्रोफेसर एम जगदीश जांच केर आदेश देलन्हि अछि।

एएनआई केर मुताबिक गृह मंत्रालय सेहो दिल्ली पुलिस सँ जेएनयू प्रकरण पर रिपोर्ट मांगने अछि। कुलपति सँ जखन पूरा मामला केर बारे म' पुछल गेलन्हि तेँ ओ कहला 'जेएनयू म' पुतला जलेबाक घटना केँ बारे म' हमरा किछ नै बुझल अछि। हम एहि मामला केर जांच क' रहल छी'

एहि पूरा मामला म' एनएसयूआई सेहो अप्पन जेएनयू विंग केर खिलाफ कार्रवाई करबाक मोन बनेना अछि। खबर अछि कि पुतला जलेबाक एहि  घटना म' एनएसयूआई केँ जे भी छात्र शामिल छलाह हुनका कारण बताऊ नोटिस जारी कायल जायत। किएक जे पुतला जलेनाय एनएसयूआई केर  आचार संहिता केर खिलाफ अछि। 

कांग्रेस केर स्टूडेंट विंग एनएसयूआई के मेंबर्स जेएनयू म' दशहरा के दिन पीएम नरेंद्र मोदी के अलावा बीजेपी चीफ अमित शाह, बाबा रामदेव, साध्वी प्रज्ञा, योगी आदित्यनाथ, आसाराम, नाथुराम गोडसे के पुतला जलेलन्हि। स्टूडेंट्स सभ यूनिवर्सिटी के वाइस चांसलर एम जगदेश केर  पुतला सेहो  जलेलन्हि। पुतला दहन केर विडियो सोशल मीडिया पर वायरल भेल अछि जाहि केँ निचा देख सकैत छी। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ